पटना । यूरोपीय यूनियन (ईयू) क संसदीय प्रतिनिधिमंडल आ मलेशिया क विशेष राजनयिक बिहारक विकास मे सहयोग क प्रस्ताव देलक अछि। प्रतिनिधिमंडल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स भेंट केलथि। ग्राहम वाटसन क नेतृत्व मे बिहार दौरा पर आयल ईयू प्रतिनिधिमंडल मे छहटा सांसद छथि। ओ कहला जे बिहार क विकास क गति कए दुनिया क सामने माडल क रूप मे पेश कैल जेबाक चाही। ग्राहम वाटसन यूनाइटेड किंगडम क सांसद छथि, जखन कि हुनकर संग ग्रीस क चारालाम्पोस, युनाइटेड किंगडम क ही बिल न्यूटन डन्न, फ्रांस क हार्लेन डेसीर, जर्मनी क फ्रांजिस्का केलर आ डेनमार्क क अन्ना रासबाक बिहार आयल छथि। प्रतिनिधिमंडल मुख्यमंत्री क संग हाल क वर्ष मे बिहार मे पथ निर्माण, ऊर्जा, कृषि, महिला सशक्तीकरण आओर स्वास्थ्य प्रक्षेत्र मे भेल कार्य पर चर्चा केलथि। प्रतिनिधिमंडल बिहार क विकास मे सहयोग क प्रस्ताव देलथि अछि। सांसद सब कहला जे बिहार कए विकास क जे चर्चा ओ सुनने छलाह ओहि स कहीं बेहतर स्थिति देखकए हुनका बेहद खुशी भ रहल अछि। ओतहि मलेशिया क विशेष राजनयिक दातो सेरी एस सेमीवेल्लू सेहो मुख्यमंत्री नीतीश कुमार से शिष्टाचार भेंट केलथि। ओ बिहार मे आधारभूत संरचना क विकास क दिशा मे सहयोग क प्रस्ताव देलथि अछि। ओ मुख्यमंत्री कए मलेशिया एबा लेल न्योत सेहो देलथि अछि।