• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

हम आएल छी अहां क दरबार मे आवेदन लाउ

January 19, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

मधुबनी स्टेडियम । हम आएल छी अहां क दरबार मे आवेदन लाउ…..”उगना” क रूप मे मिथिलाक धरती पर आयल ”नीतिश” क इ बोल जनता दरबार मे मुख्यमंत्री कार्यक्रम क पहिल वाक्‍य छल। अपन सेवा यात्रा क तेसर दिन मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमार भोर करीब दस बजे जनता क समक्ष हाथ जोडि हाजिए भेलाह। सीधा महिला दीर्घा लग पहुंचलाह आ आवेदन लेब शुरू केलथि। महिला स मैथिली मे गप शुरू केलथि। आश्‍वासन देलथि सबटा काज होएत। हमरा पर विश्‍वास अछि ने। महिला कए भरोस दैत कहला जे सरकार त भ्रष्टाचार क खिलाफ कार्रवाई क रहल अछि मुदा अहू सब जागू आ एकर विरोध करू। एहि पर प्रमिला देवी कहैत छथि- सर हमर गाम मे सड़क नहि अछि। आंगनबाड़ी केन्द्र नहि अछि। नीतीश हुनकर आवेदन लैत जिलाधिकारी संजीव हंस कए कार्यवाही करबा लेल कहलथि। फेर आगू बढैत कहला- ‘अंजनी बाबू (मानव संसाधन विभाग क प्रधान सचिव ) कल्पना क मामला देखू।’ कल्पना आरके कॉलेज मे आइएससी क छात्रा छथि। हिनकर शिकायत अछि जे कॉलेज मे पढ़ाई नहि होइत अछि। अगर एहन हालत रहल त गरीब लोक क बचा कोना पढत। किछु महिला कहलथि जे हुनकर मांग मे चारि गोटेक हत्या क देल गेल, पुलिस कोनो कार्रवाई नहि केलक। मुख्यमंत्री तुरंत दरभंगा प्रक्षेत्र क आइजी कए बजेलथि आ कहलथि- ‘गंभीर मामला अछि अविलम्ब कार्रवाई कैल जाए।’
मुख्यमंत्री एक डेग बढेने हेताह कि पाछु स आवाज आयल- भ्रष्टाचारी सब पर कार्रवाई करियउ सर। जवाब मे मुख्यमंत्री कहला- ‘कार्रवाई भ रहल अछि। सब पकडल जाएत।’ ताबत एकटा फरियादी कहलक- ‘सर शहर में पार्क नहि अछि।’ एहि पर मुख्यमंत्री डीएम स कहैत छथि- ‘देखू।’ टोला सेवकगण क फरियाद- ‘दस माह स भुगतान नहि भेटल अछि।’ फेर माइक स मुख्यमंत्री क आवाज गूंजैत अछि- ‘अंजनी बाबू देखू की मामला अछि?’ भीड़ स आवाज अबैत अछि- ‘सरिसवपाही कहिया एबै मुख्यमंत्री जी?’
एहि पर सेहो मैथिली जबाव दैत मुख्यमंत्री विधान पार्षद संजय झा क पीठ पर हाथ द कहला – ‘हिनका स गप करु।’ मुख्यमंत्री क ध्यान न्याय मित्र क आवेदन पर पडैत अछि। ओ माइक स ग्रामीण कार्य सह पंचायती राज मंत्री डा. भीम सिंह स कहैत छथि- ‘अहां सब न्याय मित्र क गप सुन लिअ।’ फौरन सरपंच क समस्या सेहो हुनका सुनबा लेल कहल जाइत अछि। फुलपरास क रामनगर पंचायत मे इंदिरा आवास क वितरण में गड़बड़ी स संबंधित आवेदन भेटला पर ओ ग्रामीण विकास मंत्री नीतीश मिश्र कए बजबैत छथि आ मामला कए देखबा लेल कहैत छथि। मंत्री श्री मिश्र ऑन द स्पॉट कार्रवाई करैत डीडीसी कए जांच क रिपोर्ट देबा लेल कहैत छथि। आवेदन जमा करबाक तीन मास बाद आय प्रमाण पत्र नहि भेटबाक शिकायत कए मुख्यमंत्री गंभीरता स लेलथि, ओ डीएम कए कहला जे सख्‍त कार्रवाई हेबाक चाही। जेपी पेंशन पर सीएम कहला- ‘जे आवेदन देने छी, हुनका जांचोपरांत पेंशन भेटत।
स्वास्थ्य विभाग स संबंधित एकटा मामला मे मुख्यमंत्री सिविल सर्जन कए बजबैत छथि। सिविल सर्जन जहिना अबैत छथि मुख्‍यमंत्री कहैत छथि- ‘अहां सुस्त रहब त लोक कोना स्वस्थ रहत। देखू बाबूबरही क संजय राम क केतना गंभीर मामला अछि। बच्चा भेल वर्ष 2010 में आ एखन धरि भुगतान नहि भेल अछि।’ फौरन स्वास्थ्य सचिव आवेदन पर गौर करैत आ सिविल सर्जन कए कार्रवाई लेल कहैत छथि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जनता दरबार मे कुल पांच घंटा रहलाह। ओ दुपहरिया दू बजे स्टेडियम स विदा भेलाह। बहुत रास जनता अपन गप मुख्‍यमंत्री तक नहि पहुंचा सकल। मुदा जे पहुंचा सकल ओकर बस एतबे कहब छल जे बाबू काज होइ बा नहि होइ कम स कम मुख्‍यमंत्री जी हमर गप ढार भ सुनलखिन त आ कार्रवाई लेल कहबो केलखिन। आब काज त इहे पदाधिकारी सब कए करबाक छै। (इनपुट मे जागरण मे छपल रिपोर्ट क अनुदित अंश आ मिथिला न्‍यूज)

Tags: नीतीशबिहारमधुबनीमिथिलामैथिली
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार मे खुलत 28टा नव चीनी मिल

Esamaad Epaper Website

बिहार मे 'कास' क पहिल चैप्टर खुलल

Esamaad Epaper Website

विधान परिषद मे फेर जेताह नीतीश

Comments 2

  1. bahut nik lagal pahil din e samad net per padhlahu. says:
    11 years ago

    bahut nic

    Reply
  2. VAIBHAV JHA says:
    10 years ago

    BAD NIK KAMAL NET PAR APPAN BHASA ME SAMACHAR PADHI HIRDAY JURA GEL.JAI MITHLA,JAI MAITHL,JAI MAITHILI,

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

पटना पुस्तक मेला : मैथिली पोथीक नहि अछि पृथक स्टॉल दोषी के

by संपादक
February 14, 2017
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि