अररिया। उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला अछि जे पांच साल मे बिहार मे जे विकास भेल ओ सबहक सामने अछि। कांग्रेस बा राजद क सरकार की केलक इ अहां सब जनैत छी। पगडंडी कए सडक बता लालू क पथ निर्माण विभाग कलकतरा पी जाइत छल। आई सडक सडक सन बनि गेल अछि। एकटा चुनावी सभा कए संबोधित करैत मोदी कहला जे बिहार मे जंगलराज आ गुंडा राज कए खत्म करि कानून क साम्राज्य स्थापित भ चुकल अछि। एकरा आओर व्यवस्थित करबा लेल पांच साल क आओर समय देल जाए।
ओ कहला जे लालू लग बिहारक हित मे कोनो योजना नहि छैन, ओ फेर ओहिना बिहार चलेबाक गप करि रहल छथि। नीतीश सरकार एहि पांच साल मे बच्चा कए साइकिल देलक जाहि स स्कूल जेबा मे सुविधा भेल। आब लालू जी वाइक देबाक गप करैत छथि। ई अहूं जनैत छी जे लालूक इ घोषणा केतबा व्यावहारिक अछि। हम सब इ विचार केने छी जे एहि बेर अगर हमर सरकार बनल त बीपीएल परिवार कए बकरी देल जाएत। आब लालू जी कहताह जे ओ बीपीएल परिवार कए एक-एक टा हाथी देताह। जखन झूठ क खेती करबाक अछि त गप कहबा मे लालू जी कहियो परहेज नहि केलाह। पन्द्रह साल तक एहिना गप द राज केलथि अछि। देबाक इच्छा रहिते त 15 साल कोनो कम समय नहि होइत अछि।