• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

हाईटेक भेल पटनाक बिजली व्यवस्था

August 27, 2010
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना। राजधानी क बिजली व्यवस्था हाईटेक भ गेल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार संवाद भवन स विद्युत बोर्ड कालोनी स्थित पेसू स्काडा भवन स संचालित डिस्ट्रीब्यूशन मैनेजमेंट सिस्टम आ कस्टमर केयर सेंटर क शुभारंभ केलथि। बिलिंग सिस्टम क ट्रायल पहिने स भ रहल छल। ओना कहल जा रहल अछि जे एकरा पूरा तरह स काज करबा मे एखन आओर समय लागत। हालांकि तीनटा सिस्टम क संग नवनिर्मित चारि ग्रिड उप केन्द्र आ छब्बीस 33/11 केवी शक्ति उपकेन्द्र क सेहो आइ लोकार्पण कैल गेल। आब राजधानी क उपभोक्ता कए काल सेंटर मे विद्युत दोष स संबंधित शिकायत दर्ज करेबा स मुक्ति भेट जाएत। टेलीफोन नहि रहबा आ  नहि उठेला पर उपभोक्ता फ्यूज काल सेंटर क चक्कर लगेबा लेल मजबूर छलथि। कस्टमर केयर सेंटर क टेलीफोन संख्या 0612-2285032 पर डायल करबा पर रेलवे पूछताछ प्रणाली क तर्ज पर विभिन्न तरह क शिकायत दर्ज कैल जाएत। उपभोक्ता कए पोल संख्या आओर उपभोक्ता नंबर डायल करए पड़त। पेसू स्काडा सेंटर स राजधानी क 46टा पावर सब स्टेशन मे स 38टा जुड़ि गेल अछि। एहि सेंटर क निर्माण 14 करोड़ क लागत स भेल अछि। इ सेंटर उपभोक्ता क लेल वरदान आ विद्युत अभियंता क लेल परेशानी क कारण बनत। कोई अधिकारी आब उपभोक्ता क शिकायत कए नजर अंदाज नहि करि सकैत छथि आ फीडर स्तर पर बिजली उपयोग क जानकारी सेहो आब आसानी स भेट सकत। एहि स बिजली चोरी पर रोक लगेबा मे सेहो मदद भेटत। कहल जा रहल अछि जे एक-दू मास मे बिलिंग सिस्टम सेहो चालू भ जाएत। जेकर बाद राजधानी क कोनो भाग क कोनो  विद्युत बिल काउंटर पर विपत्र जमा क सुविधा उपलब्ध भ जाएत। स्पाट बिलिंग सेहो हुए लागत। एहि ठाम हैंडड्रिल मशीन मे जमा करबाक सुविधा सेहो भेटत। बिलिंग सिस्टम क ट्रायल गर्दनीबाग आपूर्ति प्रमंडल स शुरू भ चुकल अछि। मुख्यमंत्री विद्युत संचरण व्यवस्था क सुदृढ़ीकरण क लेल चार 132/33केवी ग्रिड उपकेन्द्र कटरा (पटना), हुलासगंज (जहानाबाद), बक्सर आ नवगछिया मे निर्मित भेल अछि।

Tags: bihar powerpatna
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

उद्यमी कए कर्ज मुक्त करबा लेल एकमुश्त योजना

साहित्य अकादमी क फेलो चुनल गेलाह अमरजी

बागमतिक बांध पर सडक बनबाक बाट साफ

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

by संपादक
May 31, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

डॉ सत्येन्द्र कुमार झा मैथिली गीतक सर्वाधिक लोकप्रिय हस्ताक्षर मैथिलीपुत्र प्रदीप आब एहि नश्वर संसारमे नहि छथि। चौरासी बरखक अवस्थामे...

Read more

पटना पुस्तक मेला : मैथिली पोथीक नहि अछि पृथक स्टॉल दोषी के

by संपादक
February 14, 2017
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि