• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home संपादकीय

हुकुमदेवक उपेक्षा, जगन्नाथक सम्मान किया

November 16, 2009
in संपादकीय, समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

शनिदिन मधुबनी मे बिहारक प्रख्यात चिकित्सक अशोक ठाकुरक हार्ट हास्पीटलक उद्घाटन भेल। गरीब आ पिछड़ल एहि जिला लेल इ एकटा सपनाक पूरा हेबाक समान छल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अपन हाथ स एहि अस्पताल कए लोकार्पित केलथि। एहि अवसर पर मधुबनीक सांसद हुकुमदेव नारायण यादव सेहो उपस्थित छलाह। मुदा सभा कए संबोधित करबाक मौका भेटल जगन्नाथ मिश्र कए। ज्ञात हुए जे हुकुमदेव क पुत्र अशोक यादव सेहो विधायक छथि आ दूनू गोटे मिल कए जिलाक दू टा चीनी मिल खोलबा लेल जी जान लगौने छथि। ओ चीनी मिल जे पूर्व मुख्यमंत्री आ महान अर्थशास्त्री जगन्नाथ मिश्रक सुयोग्य नेतृत्व मे कंगाल बनि बंद भ गेल। आइ जगन्नाथ मिश्र सक्रिय राजनीति स अलग भ गेल या करि देल गेल छथि। लेकिन ठाकुरजीक ब्राह्मïïणवाद कहि या पिछला कोनो संबंध जे हुकुमदेव क स्थान पर जगन्नाथ मिश्र कए सभा मे बजबाक मौका देल गेल। इ समस्त कार्यक्रम कए एक प्रकार स विवादास्पद बना देलक। आइ पूरा मधुबनी जिला जगन्नथ मिश्रक पिछला साल देल ओ बयान नहि बिसरलक अछि जाहि मे ओ कहने रहथि जे कोसीक बाढ़ स ओ एतबा दुखी छथि जे राजनीति स संन्यास ल ‘बलुआ’ मे रहि लोकक सेवा करय चाहैत छथि। इ बयान झंझारपुरक जनता लेल गारि स कम नहि छल। पिछला 40 साल स बाढ़ झेल रहल झंझारपुरक लेल हुनकर कहियो एहन भावपूर्ण बयान नहि आयल जखनकि एहि ठामक जनताक वोट स ओ बिहारक मुख्यमंत्री बनलाह। आइ धरि झंझारपुर सड़क मार्ग स स्वतंत्र रूप स नहि जुडि़ सकल अछि। रेलवेक भीख पर लोक बस अथवा गाड़ी स झंझारपुर जाइत अछि। इ त राजदक पूर्व सांसद देवेंद्र प्रसाद क प्रयास कहू जे नार्थ-इस्ट कॉरिडोर बरौनी क बदला मे झंझारपुर द कए गेल आ एहि बाट रहित इलाका कए राष्टï्रीय राजमार्ग भेटल। मिथिला मे उद्योग हुए या शिक्षाक स्तर देखल जाए त कोन एहन क्षेत्र अछि जेकर बंटाधार जगन्नाथ मिश्रक कार्यकाल मे नहि भेल। इ अलग गप अछि जे लालू प्रसाद हुनक एहि प्रयास कए आओर आगू बढ़ा अपन चेला धर्मक निर्वाह केलथि। आइ विकासक कोनो मंच पर जगन्नाथ मिश्र कए देखि आयोजनकर्ता स इ पूछबाक इच्छा भ जाइत अछि जे आखिर हुनकर स्मरण शक्ति मात्र 20 सालक किया अछि। ओ किया इ बिसरी जाइत छथि जे मिथिलाक रीढ़ कहल जाइवाला चीनी मिल कोना बंद भेल, ओ कोना बिसरी जाइत छथि जे विश्वविद्यालय मे अराजकता कए अनलक। महात्मा गांधी सेतु आई अपन अंतिम सांस ल रहल अछि। एहि पुलक एहि स्थिति लेल के जिम्मेदार अछि। आइ नीतीश अभियंता स एहि पुल कए बचेबा लेल गुहार लगा रहल छथि, मुदा जगन्नाथ मिश्र स कियो किया नहि पूछबाक हिम्मत जुटा रहल अछि जे एहन कोन चमनागिरी करब जरूरी छल जे पुल तैयार हेबा स पूर्व तत्कालीन प्रधानमंत्री इंदिरा गांधीक हाथ स एकर उद्घाटन करा देल गेल। बिहारक विकास लेल जरूरी अछि जे जगन्नाथ मिश्र क सबटा उपलब्धि कए स्मरण मे राखल जाए किया कि ओ हमरा इ कहैत रहत जे एकटा नेता कोनो बिहारी गौरव कए गारि बना देलक। ताहि लेल जगन्नाथ मिश्र कए मंच पर रहबा स ककरो आपत्ति नहि मुदा जे इलाकाक विकास लेल प्रयास करि रहल अछि ओकर उपेक्षा नहि हेबाक चाही, चाहे ओ कोनो दल, कोनो जाति या कोनो क्षेत्र स हुए । आशा अछि ठाकुर जी अपन एहि गलतीक सुधार करबा लेल प्रयास करताह। ओना अस्पताल खोलबा लेल हुनका कोटि-कोटि धन्यवाद।

Tags: मधुबनी
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

25 माडल कालेज कए भेटल हरी झंडी

Esamaad Epaper Website

आब साफ्टवेयर साल्यूशन इ सेहो बताउत- कतय भेटत सड़क क जमीन

सुधा बूथ पर भेटत सस्ता भोजन

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

by संपादक
January 15, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि