पटना : राज्य सरकार सबटा 250 अंगीभूत कालेज क शिक्षक आ कर्मचारी लेल वेतन भुगतान सुनिश्चित करबा लेल नवका व्यवस्था लागू क रहल अछि। आब अनुदान क राशि कालेज क बैंक एकाउंट मे सीधा जाएत। एहि स विधिवत ढंग स सृजित पद पर नियुक्त शिक्षक आ कर्मचारी टा कए वेतन भेट सकत। सरकार स भेटल राशि क एकटा हिस्सा बिना पद क काज क रहल कर्मी पर खर्च होइत रहल अछि।
एखन तक सरकार द्वारा अनुदान क राशि विश्वविद्यालय मुख्यालय कए देल जाइत रहल अछि। विश्वविद्यालय प्रशासन एहि राशि कए कालेज कए दइत छल। एहि प्रक्रिया क असर वेतन भुगतान मे विलंब क रूप मे सामने सेहो आबि रहल छल। भुगतान स संबंधित कई तरह क विसंगति सेहो सामने आबि रहल छल। नव व्यवस्था मे हुनके टा वेतन खाता मे जाएत जे सृजित पद पर नियुक्त छथि।
शिक्षा विभाग एहि संबंध मे कुलसचिव आ प्राचार्य क संग बैसार केने छल। एकर बाद वेतन भुगतान क इ नव व्यवस्था कए अपनेबाक निर्णय भेल अछि। बैसार मे तय भेल छल जे एकरा फरवरी स प्रभावी कैल जाए। शिक्षा विभाग क विशेष सचिव संजीवन सिन्हा निर्देश देलथि अछि जे विधिवत ढंग स स्वीकृत पद पर नियुक्त शिक्षक आ कर्मचारी क बैंक खाता क सूची आगामी 15 जनवरी तक शिक्षा विभाग कए उपलब्ध करा देल जाए। हुनकर अनुसार आब विश्वविद्यालय आ कालेज क एकाउंट एक ही बैंक मे खोलल जाएत। एकरा लेल सब विश्वविद्यालय कए बैंक आवंटित कैल जाएत। कालेज क बैंक खाता क संचालन मे बदलाव अनबाक सेहो प्रस्ताव अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर