पटना । जुलाई मास स कांटीक एकटा यूनिट उत्पादन शुरू क देत आ छह-छह मासक अंतराल पर बाकी यूनिट स सेहो बिजली उत्पादनक उम्मीद अछि। पहिल यूनिट कए चालू भेला स राज्य कए 110 मेगावाट बिजली उपलब्ध भ सकत। बिहार स्टेट पावर जनरेशन कंपनी क एमडी आनंद किशोर कहला जे बरौनी थर्मल से सेहो मार्च 14 मे उत्पादन शुरू हेबाक उम्मीद अछि। ओ कहला जे एहि दूनू थर्मल काज टका लेल बाधित नहि होएत। जानकारक कहब अछि जे कांटी कए चालू भेला स बिहार खास क उत्तर बिहार मे बिजली संकट बहुत हद तक खत्म भ जाएत। ओना मुख्य सचिव एके सिन्हा सेहो जिलाधिकारी आ विद्युत अभियंता क संग भेल वीडियो कान्फ्रेंसिंग मे स्पष्ट दिशानिर्देश देलथि अछि जे राजधानी पटना आ प्रमंडल मुख्यालय शहर कए 24 घंटा निर्बाध बिजली आपूर्ति सुनिश्चित कैल जाए। अगिला साल तक जिला मुख्यालय शहर मे सेहो 24 घंटा निर्बाध विद्युत आपूर्ति लेल कार्ययोजना तैयार कैल जा रहल अछि। श्री सिन्हा कहला जे प्रमंडल मुख्यालय मे इ काज यथाशीघ्र हेबाक चाही। राज्य सरकार एकरा लेल अतिरिक्त बिजली उपलब्ध करेबा लेल तैयार अछि। ओ बिजली पदाधियारी स राजस्व वसूली आ मीटर लगेबाक काज कए तेज करबा लेल कहलथि अछि। ओ राजधानी पटना आ भागलपुर मे अतिरिक्त ट्रांसफार्मर लगा कए लोड नियंत्रित करबाक निर्देश देलथि अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa