पटना । नालंदा विश्वविद्यालय मे अगिला वर्ष 2012 स शैक्षणिक सत्र प्रारंभ भ जाएत। नालंदा विश्वविद्यालय क भवन तैयार भ रहल अछि ताबत धरि लेल नालंदा क अतिथि गृह मे कार्यालय उपलब्ध करा देल गेल अछि। विश्वविद्यालय मे संपर्क पदाधिकारी क रूप मे बिहार सरकार क एकटा पदाधिकारी क प्रतिनियुक्ति कैल गेल अछि।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ नालंदा विश्वविद्यालय क पहिल कुलपति डॉ. गोपा सभरवाल एहि संबंध मे बैठक केलथि आ ओहि बैठक मे नालंदा विश्वविद्यालय क लेल 446 एकड़ भूमि क हस्तांतरण भ गेल। मुख्यमंत्री राज्य सरकार क अधिकारी कए निर्देश देलथि अछि जे विश्वविद्यालय क स्थापना स संबंधित तमाम प्रक्रिया तेजी स पूरा करि लेल जाए। संगहि निर्माण कार्य मे भव्यता, गुणवत्ता आ समय-सीमा क पूरा ध्यान राखल जाए। एहि कार्य मे विश्वविद्यालय प्रशासन आ केन्द्र सरकार कए राज्य सरकार दिस स सब स्तर पर भरपूर सहयोग सुनिश्चित हुए।
बैठक क बाद मानव संसाधन विकास विभाग क प्रधान सचिव अंजनी कुमार सिंह कहला जे नालंदा विश्वविद्यालय कए विभिन्न संपर्क सड़क स जोड़ल जा रहल अछि, संगहि नालंदा मे अवस्थित हवाई पट्टी क जीर्णाेद्धार क योजना सेहो तैयार भ गेल अछि।