पटना। बिहार आइ भले बिहार बिजली क जबरदस्त संकट स जूझि रहल अछि, मुदा राज्य सरकार क मानब अछि जे अगिला 4-5 साल मे राज्य क लग मे जरूरत स बेसी बिजली होएत। सरकार कए सबस बेसी बिजली भेटबाक उम्मीद नबीनगर मे एनटीपीसी आ बिहार राज्य बिजली बोर्ड क संयुक्त उद्यम क तहत बनि रहल थर्मल पावर स्टेशन स अछि। मुदा राज्य मे तेजी स बढि़ रहल बिजली क मांग कए देखैत इ कहब मुश्किल अछि जे प्रस्तावित परियोजनाक बनलाक बाद अनहार बिहार मे केतबा इजोत आबि सकत।
ओना ऊर्जा मंत्री रामाश्रय प्रसाद सिंह कहला, ‘हम एनटीपीसी क संग मिलिकए नबीनगर मे एकटा संयुक्त उपक्रम गठित केने छी, जेकर नाम नबीनगर पावर जेनरेटिंग कंपनी रखल गेल अछि। एकर लेल जमीन क निशानदेही भ चुकल अछि आ अधिग्रहण क प्रक्रिया चलि रहल अछि। एहि परियोजना स अगिला 4-5 साल मे राज्य कए 1485 मेगावॉट बिजली भेटत।Ó एकर अलावा, सरकार निजी क्षेत्र क संग मिलिकए सेहो बिजली उत्पादन क संभावना ताकि रहल अछि। एकरा लेल सरकार बक्सर (चौसा), भागलपुर (पीरपैंती) आ लखीसराय (कजरा) जिला मे जमीन कए चिन्हित करि चुकल अछि। संगहि, सरकार कए जल विद्युत स सेहो काफी उम्मीद अछि। एकरा लेल त ओ एहि क्षेत्र मे पैघ परियोजना कए स्थापित करबाक काज करि रहल अछि। सिंह कहला, ‘हम पैघ परियोजना कए सेहो स्थापित करबाक कोशिश करि रहल छी, जेकर तहत डागमारा (126 मेगावॉट), इंद्रपुरी (450 मेगावॉट), सिनाफदर (345 मेगावॉट) आ हथियादह-दुर्गावती (1600 मेगावॉट) पर काज चलि रहल अछि।Ó राज्य सरकार उत्पादन क्षमता मे इजाफा क संग-संग ट्रांसमिशन आ वितरण क्षमता कए मजबूत आ ओकर विस्तार करबाक सेहो गप करैत अछि।