• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

अपनो लेल अंजान भेलाह बीपी मंडल

August 24, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

मधेपुरा/पटना । कहियो राजनीतिक गलियारा मे चर्चा क विषय बनल मंडल आयोग क अध्यक्ष आइ देश मे त सहुजे अपन घर मे सेहो हेरा गेला अछि। हालत त इ अछि जे मधेपुरा मे तत्कालीन अनुमंडल पदाधिकारी रामप्रकाश यादव द्वारा बीपी मंडल चौक पर लगाउल गेल हुनक प्रतिमा आ बीपी क पैतृक गांव मुरहो मे स्थित हुनक समाधि स्थल साल मे केवल एक बेर साफ कैल जाइत अछि। स्थिति इ अछि जे स्व. मंडल क जयंती पर चंद 25 अगस्त कए हुनका समाधि पर जेबा लेल कोनो पिछडल समाजक नेता कए समय नहि भेटल। किछु स्‍थानीय लोक जरूर जमा हेताह आ गला फाडि कए अपन गप कहताह, मुदा फेर एक साल तक एकरा देखनिहार कियो नहि। आइ बीपी क कारण सत्‍ताक मलाई खा रहल नेता होइथि बा आरक्षणक लाभ लेनिहार पिछडल समाजक लोक किनको बीपी क स्‍मरण नहि। हुनक आदर्श स संबंधित चर्चा करबाक ककरो लग समय नहि। हुनकर कृतित्व स संबंधित कोनो इतिहास कए सार्वजनिक रूप स संग्रहित करबाक कोनो योजना नहि, जाहि स नवतुरिया हुनका अपन आदर्श बना सकए। सवाल अछि बीपी मंडल सन नेता कए बिसरि पिछडा क विकास क कल्‍पना कोना कैल जा सकैत अछि। या फेर इ सोचबाक चाही जे कांशीराम जेना ओ अपन कोनो उत्‍तराधिकारी तय नहि क सकलाह, जेकर इ परिणाम छी। कारण जे हुए मुदा इ कटू सत्‍य छी जे बीपी मंडल क उपेक्षा कोनो अर्थ स उचित नहि। हुनका जे सम्‍मान भेटबाक छल से नहि भेट सकल। दुख एहि गपक अछि जे हुनकर उपेक्षा ओ क रहल अछि जेकरा लेल ओ बहुत किछु केलथि। ज्ञात हुए जे 90 क दशक मे बिहार क पूर्व मुख्यमंत्री आ पिछड़ा वर्ग आयोग क अध्यक्षता मे बनल आयोग क सिफारिश कए तत्कालीन प्रधानमंत्री वीपी सिंह द्वारा लागू कैल गेल, जाहि मे पिछडल कए 27 प्रतिशत आरक्षण देबाक प्रावधान छल। एकर लागू भेलाक बाद भारत मे राजनीतिक भूचाल आबि गेल। देश क बच्‍चा बच्‍चा मंडल आयोग स परिचित भ गेल, मुदा बीपी मंडल देश लेल अन्चिनहार बनल रहलाह, मुदा बिहार आ खास क मिथिला अपन एहि पुत्र पर गर्व करैत रहल। लाख उपेक्षाक बावजूद मिथिला आइ इ मानि रहल अछि जे स्व.बीपी मंडल क कृति भारत क इतिहास क एहन सुनहरा अध्याय बनि चुकल अछि जेकर सुगंध युग-युग तक समाज क पिछडल समूह कए सुगंधित करैत रहत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

फोक जलबा क ऑडिशन मे देखबा लेल भेटत दरबार हाल क जलबा

Esamaad Epaper Website

'पिलपिलहा गाछ' लेल मुरलीधर कए बाल अकादमी पुरस्कार

Esamaad Epaper Website

बिहार मे वित्तीय साक्षरता बढेबाक जरूरत : सेबी अध्‍यक्ष

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि