• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

अर्थशास्त्री शैबाल गुप्ता हेताह अगिला वित्तमंत्री!

June 24, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

प्रेमा झा 

पटना । बिहार विधानसभा मे विश्ववास मत हासिल केलाक बाद आब सबहक नजरि मंत्रिपरिषद् क विस्तार पर टिकल अछि। नीतीश मंत्रिमंडल मे डेढ़ दर्जन आओर मंत्री शामिल कैल जा सकैत अछि। एखन मुख्यमंत्री लग भाजपा क मंत्री क विभाग अछि। एकर अलावा जदयू क कईटा मंत्री लग सेहो एकटा स बेसी विभाग अछि। विजेन्द्र प्रसाद यादव, रेणु कुशवाहा, भीम सिंह लग एक स बेसी विभाग क दायित्व अछि। नीतीश लग सबस पैघ चुनौति भाजपा कोटा क मंत्री लग जे विभाग छल, ओकरा लेल मंत्रीक चयन करब अछि। भाजपा लग यथा स्वास्थ्य, कला संस्कृति, नगर विकास, आवास, पर्यटन, पथ निर्माण, पीएचईडी, पशु आ मत्स्य संसाधन, सहकारिता, वन, श्रम संसाधन समेत वित्त सन महत्वपूर्ण विभाग छल, जे एखन मुख्यमंत्री क जिम्मा मे अछि। जदयूक अंत:पुर स आबि रहल सूचनाक अनुसार मुख्यमंत्री लेल सबस पैघ चिंता वित्त विभाग अछि। मुख्यमंत्री कए एहि विभाग लेल कोनो उपयुक्त उम्मीदवार नहि देखा रहल अछि। एहन मे मुख्यमंत्री इ विभाग कोनो बाहरी व्यक्ति कए सेहो द सकैत छथि। सूत्रक कहब अछि जे बिहार क अगिला वित्तमंत्री प्रसिद्ध अर्थशास्त्री शैबाल गुप्ता भ सकैत छथि। ओना श्री गुप्ता नीतीश सरकार मे पहिल बाहरी मंत्री नहि हेताह। प्रशांत कुमार शाही सेहो मानव संसाधन विकास मंत्री बनबा काल कोनो सदनक सदस्य नहि छलाह। मंत्री बनबा स पूर्व ओ बिहार सरकारक महाधिवक्ता छलाह। कहल जा रहल अछि जे भाजपा क कोटा क विभाग क महत्व कए देखैत मंत्रिपरिषद् क विस्तार मे एहि बेर विधान परिषद क सदस्य कए बेसी जगह देल जा सकैत अछि। विधान परिषद् क सदस्य आ पूर्व मंत्री देवेशचन्द्र ठाकुर आ पूर्व विधान पार्षद् संजय झा कए टीम मे शामिल कैल जा सकैत अछि। डा. महाचंद्र प्रसाद सिंह आ ई. अजित कुमार कए सेहो फेर स जगह भेट सकैत अछि। एकर अलावा पूर्व मंत्री डा अनिल कुमार, पूर्व शिक्षा मंत्री हरिनारायण सिंह क नाम पर सेहो विचार कैल जा रहल अछि। निर्दलीय विधायक विनय बिहारी, ओम प्रकाश सिंह, दुलालचंद गोस्वामी आ पवन जायसवाल कए मंत्रिपरिषद् मे स्थान देबाक गप सब क रहल अछि। ओना मंत्रिपरिषद् क विस्तार क संगहि कईटा मंत्री क वर्तमान विभाग सेहो बदलल जा सकैत अछि। किछु वर्तमान मंत्री कए कद बढा कए महत्वपूर्ण विभाग क दायित्व देल जा सकैत अछि। संगहि मंत्रिपरिषद मे विभिन्न जिला क प्रतिनिधित्व देबाक सेहो कोशिश कैल जा रहल अछि। मंत्रिपरिषद मे जातीय आ क्षेत्रीय प्रतिनिधित्व पर सेहो उच्च स्तर पर विचार जारी अछि।
जदयूक अंत:पुर स आबि रहल सूचनाक अनुसार विधानमंडल क मानसून सत्र स पूर्व मंत्रिपरिषद् क विस्तार कैल जा सकैत अछि किया त महत्वपूर्ण विभाग मे मंत्री क अभाव विकास काज मे बाधक बनि रहल अछि। एहन मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अपन मंत्रिमंडलीय सहयोगी क चयन पर पार्टी क पैघ नेतासब स विचार विमर्श क रहल छथि। मंत्रिमंडल क गठन मे कोनो विवाद स बचबा लेल नीतीश कुमार फूंक-फूंक कए डेग बढ़ा रहल छथि। मुख्यमंत्री कोनो जल्दीबाजी क आफत मोल लेबाक मूड मे नहि छथि। इ त समय कहत जे केकरा केकरा मंत्री पद क ताज भेटत, मुदा एतबा जरूर जे एहि ताज लेल कईटा विधायक पार्टी दफ्तर स लकए सीएम सीएम आवास तक चक्कर लगा रहल छथि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

मैथिली मे पढू भारत क संविधान

Esamaad Epaper Website

बाट स बांधल गेल तिरहुत क उत्तरी सीमा

Esamaad Epaper Website

आरके सिंह देलथि मातृभूमि कए एकटा सनेस

Comments 1

  1. Dayakant says:
    12 years ago

    Kinko matrimandal me jagah bhetain wa nahi lekin Nirdaliya Vidhayak ke lel Mantrik pad pakka. Sangahi Sanjay Jha jee ke Seho jagah pakka lagi rahal achhi, kiyak te NitiSh vakt ke karan hunka BJP chhodi delaith… Jai ho Sushan babu ke sena….

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि