• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

अविश्वसनीय मुदा सच, खत्म भ गेल विधायक कोटा

December 14, 2010
in संपादकीय, समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

बिहार प्रति पूर्वाग्रह रखनिहार लेल इ समाद अविश्वसनीय मुदा सच अछि। बिहार राज्य कैबिनेट मंगलदिन आखिरकार विधायक आ विधान पार्षद स्थानीय क्षेत्र विकास कोष कए वित्तीय वर्ष 2011-12 स समाप्त करबाक मंजूरी द देलक। कैबिनेट क बैठक मे एकर स्थान पर कोनो विकल्प पेश नहि कैल गेल। ओना मुख्यमंत्री योजना आ विकास विभाग कए विधायक निधि क स्थान पर स्थानीय विकास क लेल वैकल्पिक योजना पेश करबाक निर्देश देलथि अछि। एकर संगहि आब बिहार मे स्थानीय क्षेत्र क विकास योजना क नोडल एजेंसी योजना आओर विकास विभाग भ गेल।
निश्चित रूप स बिहार क राजनीति मे इ एकटा नव भोरक लालिमा सन अछि। नव संभावना क सूर्य देखा रहल अछि। भारत क दुर्गंध दैत राजनीति क समानांतर, बिहार मे उगल एहि सूर्य कए पूरा देश क लेल एकटा उम्मीद भरल भोर क शुरुआत क संकेत कहि सकैत छी। बिहार, जे पूरा देश मे व्यंग्य, हास्य आओर कटु गप क पर्याय छल, ओ आइ देश क राजनीति मे एकबेर फेर ‘मानक’ बनबाक उम्मीद जगा देलक अछि।
एमपी या एमएलए फ़ंड, भारतीय राजनीति क एकटा गंभीर बीमारी (भ्रष्टाचार क कैंसर) क सबस दागदार प्रतीक भ गेल छल। पूरा देश मे जनता क लोक मान्यता भ गेल अछि जे खांटी ईमानदार नेता सेहो घर बैसल 20 फ़ीसदी, एहि कोष स पाबि लैत छथि।  ओना एखनो कईटा नेता एहन छथि आ हेताह जे एहि फ़ंड स एक आना नहि लैत हेताह,मुदा निश्चित रूप स हुनकर संख्या बहुत कम अछि।
देखल जाए त एहि कोषक शुरूआत जाहि परिस्थिति मे भेल, ओतहि एकर भविष्य तय भ गेल छल। 1991-1996 क दौर । नरसिंह राव क सरकार कए लोकसभा मे बहुमत सिद्ध करबाक छल। पहिल बेर तखन सांसद घूस कांड भेल। ओहि सरकार क मौलिक चिंतन या सांसद कए खुश रखबाक योजना स एकर शुरूआत भेल छल।
पिछला दू दशक मे इ कोष राजनीति क सतीत्व (ईमानदारी) पर सवाल उठा देलक। पवित्र आओर धवल राजनीति क चादर पर सबस कसगर दाग लगा देलक। समय समय पर एकरा खत्म करबाक मांग बिहार मे उठैत रहल। किछु दिन पहिने लालू जी सेहो कहने छलाह जे एमएलए फ़ंड स आब कार्यकर्ता नहि, ठेकेदार जन्म लैत अछि। पिछला 15 साल मे ईमानदार राजनेता एकरा कोसैत रहलाह अछि। मुदा कियो एकरा हटेबाक हिम्मत नहि जुटा सकल। बिहार सरकार एकरा खत्म करि देश कए बाट देखेबाक काज केलक अछि। जे राजनीति व्यवसाय-धंधा क प्रतीक बनि गेल छल, ओकर साख लौटेबाक इ प्रस्थान (मानक) बिंदु भ गेल अछि।
अंततः राजनीति छोडि आर कोनो आओर विधा देश या समाज कए शिखर पर नहि पहुंचा सकैत अछि। ओहि राजनीति क चीरहरण करबा मे इ ‘फ़ंड योजना’ क कारगर भूमिका रहल अछि। इ योजना लांछन क प्रतीक बनि गेल छल।
आइ लांछन स मुक्ति क पहल, बिहार स भ गेल, उम्मीद कैल जा सकैत अछि जे देश क मौजूदा राजनीति पर एकर दबाव पडत। कारण जनता मे भ्रष्टाचार क खिलाफ़ आक्रोश अछि।
एहन मे नीतीश कुमार अपन दोसर पारी मे प्रो-पीपुल कदम उठा कए, देश क सब दल कए, पूरा राजनीति क मौजूदा व्याकरण कए बदलबाक पृष्ठभूमि तैयार करि देलाह अछि। ओना एहि लेल असगर नीतीश कए धन्यवाद नहि देबाक चाही, एहि मे बिहार क सबटा विधायक, विपक्षी दलक नेता आ सबस उपर बिहारक जनता जे अपना लेल यश आओर कीर्ति क नव अध्याय लिख रहल अछि। राजनीति क इतिहास मे बिहार आजुक तारीखक स्मरण कैल जाएत।

Tags: Biharesamaadmla fundnitish

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

बाट लेल हटला भगवान

बिहार माडल कए अन्य प्रदेश मे सेहो लागू करए राजग: सिद्दीकी

Esamaad Epaper Website

टका लेल नहि रूकत सड़क निर्माण: नीतीश

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि