• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

आब जूनियर खिताब सेहो जीतब

October 9, 2009
in खेल
A A

दोसरसमाचार

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

आरएसएस कालेज बीहट कए हरा जेडी कालेज, बेगूसराय बनल चैंपियन 

September 10, 2018

दरभंगा क लाल बनलाह उत्तराँचल क्रिकेट टीम क सेलेक्टर

September 8, 2018

लगातार खेलेबा मे कुक क विश्व रिकॉर्ड

June 2, 2018

samaad-oo

बिहार क बालक रचलक इतिहास, बालिका टीम उपविजेता बनल

samaad-o

पटना । राष्ट्रीय सब जूनियर कबड्डी क बालक वर्ग मे दिल्ली कए हरा इतिहास रचि देनिहार बिहार टीम क खिलाड़ी आ प्रबंधक क उत्साह देखिते बनैत अछि। फाइनल मे पिछड़बा स मायूस बालिका सेहो हिनकर जीत मे शामिल भ अपन हारि क गम बिसरबा क कोशिश करि रहल अछि। बिहार क कबड्डीक इतिहास मे पहिल बेर मोइनुल हक स्टेडियम क बाहरी परिसर स्थित कोर्ट हिप-हिप हुर्रे आ हम हैं चैंपियन क आवाज स गुंजायमान छल।
अवसर छल मोइनुल हक स्टेडियम परिसर मे संपन्न 21हम राष्ट्रीय सब जूनियर कबड्डी प्रतियोगिता मे बिहार क बालक इतिहास रचैत पहिल बेर खिताब अपन नाम करबाक। इ उपलब्धि बिहार फाइनल मे दिल्ली कए 40-28 स हरा कए हासिल केलक। बालिका वर्ग मे सेहो एहि दूनू टीम क बीच खिताबी मुकाबला भेल जाहि मे दिल्ली 19-8 स बाजी मारि लेलक। बिहार क दिस स भवेश कुमार रेडिंग आ संजीत कैचिंग मे सर्वाधिक अंक अर्जित कलथि, जखकि राखी, अर्चना, कुसुम आ आकृति दिल्ली क बालिका टीम कए विजेता बनेबा मे अहम भूमिका निभेलथि। बालक वर्ग मे उत्तर प्रदेश आ राजस्थान आओर बालिका वर्ग मे मणिपुर आ हरियाणा कए तेसर स्थान भेटल। भवेश आ राखी सर्वश्रेष्ठ खिलाड़ी क पुरस्कार जीतलथि बालक वर्ग क फाइनल मे टास जीतकए बिहार शुरू स आक्रामक रवैया अख्तियार केने रहल आ पहिल हाफ मे 14 अंक हासिल करि लेलक । दोसर पारी मे सेहो मेजबान टीम चारिटा बोनस आ दू लोना क संग दिल्ली कए काफी पाछु छोडि़ देलक। एहि स पूर्व सेमीफाइनल मे बिहार क बेटा सब उत्तर प्रदेश कए 41-23 स, दिल्ली गत विजेता राजस्थान कए 17-15 स हरेने छल।
राज्यपाल देवानंद कुंवर विजेता आ उपविजेता टीम कए पुरस्कृत कलथि । राज्यपाल अपने संक्षिप्त भाषण मे कबड्डी कए प्रचीन खेल बतबैत कहलथि जे एहि मे दमखम क आवश्यकता होइत अछि। समारोह क अध्यक्षता करैत स्थानीय सांसद शत्रुघ्न सिन्हा बिहार कबड्डी संघ कए ऐतिहासिक आयोजन आ टीम क सफलता पर बधाई देलथि। राज्यपाल स ट्राफी पाबि खुशी मे झूमि रहल बालक एहि सिलसिला कए जूनियर टूर्नामेंट मे सेहो बरकरार रखबाक दावा केलथि अछि , ओना बालिका सेहो अगिला प्रतियोगिता मे अपन दिस स कोनो कसर नहि छोड़बाक किरिया खेलथि अछि। विजयी टीमक सदस्य भवेश कहलथि जे पूर्णिया आ पटना मे 15-15 दिन क अंतराल मे लगल कैंप क सेहो फायदा भेल। कैंप मे हम सब जमकए मेहनत केने रही। कोच दिनेश चंद्र राय मानलथि जे कैंप मे लड़का सब खूब सीखलक।

Tags: patnasport

Related Posts

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

आरएसएस कालेज बीहट कए हरा जेडी कालेज, बेगूसराय बनल चैंपियन 

September 10, 2018

दरभंगा क लाल बनलाह उत्तराँचल क्रिकेट टीम क सेलेक्टर

September 8, 2018

लगातार खेलेबा मे कुक क विश्व रिकॉर्ड

June 2, 2018

गिल और कार्तिक केकेआर के जितेलक

May 4, 2018

बहुरत बिहार क्रिकेटक दिन

January 5, 2018
Next Post

खुलल राज, भेटल अकबरनामा

पीपड़ क गाछ बनल बिहार पर्यटनक लोगो

Esamaad Epaper Website

किसान कए सेहो भेटल काली पूजा पर सनेस

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि