पटना : नार्थ बिहार पावर डिस्ट्रीब्यूशन कम्पनी लि अपन ग्राहक कए आब फोस स बिजली बिल जमा करबाक सुविधा प्रदान क देलक अछि। एहि सेवा लेल कंपनी एयरटेल संग समझौता केलक अछि। समझौता क बाद उत्तर बिहार क 21टा जिला मे बिजली बिल क भुगतान मोबाइल फोन स शुरू भ गेल। उत्तर बिहार एयरटेल मोबाईल फोन उपभोक्ता एयरटेल मनी क माध्यम स एमएमएसएल भुगतान क जरिए आब स्टार 400 हैश क उपयोग क अपन बिजली बिल क भुगतान क रहल छथि।
पटना स्थित विद्युत भवन मे आयोजित एकटा साधा कार्यक्रम क दौरान नार्थ बिहार पावर डिस्ट्रीब्यूशन कम्पनी लि आ एयरटेल क सहायक कंपनी एयरटेल एम कॉमर्स सर्विसेज लि क बीच एहि संबंध में आपसी सहमति पत्र पर हस्ताक्षर कैल गेल। एहि अवसर पर उपस्थित बिहार क ऊर्जा मंत्री बिजेंद्र प्रसाद यादव विश्वास जतेलथि जे करीब पांच हजार मेगावाट बिजली क उपलब्धता क जरिए 2015 तक राज्य मे विद्युत वितरण मे सुधार क अपन वायदा कए प्रदेश क नीतीश कुमार सरकार पूरा करत। ओ कहला जे उपलब्ध बिजली क बेहतर ढंग स संचरण आ वितरण क लेल आधारभूत संरचना क निर्माण पर हमरा सबहक बेसी जोर अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa