पटना। आय स बेसी सम्पत्ति अजिर्त करबाक मामला मे राज्य सरकार आब सतारूढ़ भारतीय जनता पार्टी क एकटा विधायक आ उत्पाद विभाग क तत्कालीन आयुक्त क सम्पत्ति जब्त करबाक तैयारी शुरू क देलक अछि। एकरा लेल निगरानी जांच ब्यूरो न्यायालय कए प्रस्ताव पठाउल गेल अछि। भाजपा क कटोरिया क्षेत्र क विधायक सोनेलाल हेम्ब्रम बिहार क उत्पाद विभाग क आयुक्त पद पर रहैत आय स 24 लाख 98 हजार टका क बेसी सम्पत्ति अजिर्त केने छथि। निगरानी जांच ब्यूरो क एकटा अधिकारी कहलथि जे एहि सम्पत्ति कए जब्त करबाक प्रस्ताव अछि। एहि मे चल आ अचल दूनू तरहक सम्पत्ति शामिल अछि।
ब्यूरो क अनुसार वर्ष 1997 मे आयकर विभाग हेम्ब्रम क ठिकाना पर छापेमारी केने छल। एकर बाद आयकर विभाग क रिपोर्ट क आधार पर निगरानी ब्यूरो आय स बेसी सम्पत्ति क मामला दर्ज क जांच प्रारम्भ केने छल। जांच क दौरान 24 लाख 98 हजार क चल आ अचल सम्पत्ति क पता चलल अछि।
गौरतलब अछि जे बिहार मे इ पहिल मामला अछि जखन लोकसेवक स राजनीतिज्ञ बनल कोनो जनप्रतिनिधि क सम्पत्ति जब्त करबाक प्रक्रिया शुरू कैल गेल अछि। उल्लेखनीय अछि जे तीन दिन पूर्व विशेष न्यायालय बिहार क पूर्व पुलिस महानिदेशक नारायण मिश्र क आय स एक करोड़ 4 लाख टका स बेसी क सम्पत्ति जब्त करबाक आदेश देने छल। एहि स पूर्व सेहो अधिकारीक संपत्ति जब्त होइत रहल अछि।