एबीवीपी आ आइसा मे भेल मुख्य मुकाबला, राजद आ जदयू सेहो दर्ज केलक जीत
पटना : पटना विश्वविद्यालय मे 28 साल बाद भेल छात्रसंघ चुनाव मे अध्यक्ष पद पर अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषद क आशीष सिन्हा कब्जा जमा लेलथि अछि। देर राति घोषित परिणाम मे ओ अपन निकटतम प्रतिद्वंद्वी आइसा क दिव्या गौतम कए 168 मत स हरा देलथि। उपाध्यक्ष पद पर एआइएसएफ क अंशुमान एबीवीपी क अभिषेक कए 79 आ कोषाध्यक्ष पद पर राजद क अभिषेक गुप्ता एआइएसएफ क संजीत कए 294 मत स पराजित केलथि। अंतिम राउंड क मतगणना क बाद महासचिव पद पर एआइएसएफ क अंशु कुमारी अपन प्रतिद्वंद्वी दानिश करीम स आ सचिव पद पर जदयू क अनुप्रिया अपन निकटतम प्रतिद्वंद्वी पर जीत दर्ज क लेलथि। हालांकि चुनाव परिणाम क आधिकारिक घोषणा भोर मे भेल। देर राति तक चलल मतगणना मे लगातार ऊपर नीचा क खेल चलैत रहल। अध्यक्ष पद लेल कखनो विद्यार्थी परिषद क प्रत्याशी आशीष त कखनो आइसा क दिव्या गौतम आगू पाछु होइत रहलथि। अंतिम समय तक अध्यक्ष पद क उम्मीदवारी लेल जतए शह-मात क खेल चलैत रहल ओतहि आन पद पर एआइएसएफ क प्रत्याशी आसानी स अपन कब्जा जमा लेलथि। कोषाध्यक्ष पद आ सचिव पद पर राजद आ जदयू पहिल बेर कब्जा केलक। जखनकि एक्जीक्यूटिव पद क सातटा सीट पर एआइएसएफ अपन कब्जा जमा चुकल अछि।
मगध महिला कॉलेज मे बनल मतगणना केन्द्र क भीतर भले मतगणना काज शांतिपूर्ण माहौल मे चलल मुदा बाहर दूनू दल क कार्यकर्ता अपन अपन झंडा क संग प्रत्याशी क पक्ष मे नारा बुलंद क रहल छलाह। छात्र संघ चुनाव क परिणाम राति आठ बजे क बाद स प्राप्त हुए लागल छल। राति नौ बजे तक कॉलेज क कार्यकारिणी सदस्य क घोषणा कैल जा चुकल छल। करीब नौ बजे राति तक दसटा कॉलेज आ चारिटा पीजी कोर्स क कार्यकारिणी सदस्य क घोषणा भ गेल छल। राकेश कुमार कए आर्ट कॉलेज, पूजा कुमारी कए वाणिज्य कॉलेज, हिमांशु कुमार यादव कए लॉ कॉलेज, विजय कुमार यादव आ रितीक राज कए पटना कॉलेज, अमरिकेश कुमार गुलशन आ निखिल चक्रवर्ती कए बीएन कॉलेज, अभिषेक कुमार आ कुमार अभिषेक कए साइंस कॉलेज, पल्लवी आ अनुष्का आर्या कए मगध महिला कॉलेज, अमृता आ नैन्सी कए पटना वीमेंस कॉलेज क कार्यकारिणी सदस्य घोषित कैल गेल। पीजी कोर्स मे मानवीकी लेल रमेश कुमार, समाज शास्त्र लेल राम कुमार सिंह, साइंस लेल रवि कुमार आ एजुकेशन, लॉ आ कॉमर्स लेल विद्यानंद कुमार कए कार्यकारिणी सदस्य चुनल गेल। एकर अलावा पटना ट्रेनिंग कॉलेज क दीप नारायण श्रवण आ वीमेंस ट्रेनिंग कॉलेज क प्रियंका सिन्हा निर्विरोध कार्यकारिणी सदस्य निर्वाचित भेल छलथि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर