• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

इ सशक्तीकरण नहि, विश्वास क अकाल छी

April 3, 2013
in संपादकीय, समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पिछला दू सप्ताह मे बिहार मे दूटा एहन घटना कए अंजाम देल गेल जेकरा महिला सशक्तीकरण नहि बल्कि गरीब आ महिला मे कानून पर स विश्वास उठब कहल जा सकैत अछि। पहिल घटना सीवान क अछि जाहि ठाम एकटा नर्तकी छेड़छाड करबा पर आरोपी कए गोली मारि देलथि। दोसर घटना फुलवारी क अछि जतए एकटा विधवा अपन नुआ मे आगि लगा दुष्कर्मी कए जिंदा जरा देलथि। किछु साल पहिने पूर्णिया मे यौन उत्पीडन क कारण एकटा विधायक कए गोली मारि देल गेल छल। एहि तरहक बढैत घटना बता रहल अछि जे अपराधी कए सजा देबा लेल मान्य संस्था प्रभावहीन भ गेल अछि, लोक कए ओकरा पर स विश्वास उठल जा रहल अछि। अपराधी सरेआम समाज मे अपराध क रहल अछि आ कानून हाथ पर हाथ ध बैसल अछि। धारा क पेंच आ जमानत क दुहारि अपराधी कए कानून क फंदा स बचा रहल अछि। मान्य संस्था अपन दायित्वक निर्भाह करबा मे कतहु नहि कतहु चूकि रहल अछि। एहन मे एहि तरहक घटना समाज मे तामस क नहि बल्कि निराशा क द्योतक अछि। सीवान मे पानक दुकान पर सार्वजनिक रूप स नर्तकी संग जखन छेड़छाड़ भ रहल छल, तखन संसद मे एहन काज लेल सजा कए नरम करबाक दलील देल जा रहल छल। दिल्ली गैंग रेप पर हो-हल्ला क बावजूद एहन घटना मे कोनो कमी नहि आयल अछि। अपराधी पर कार्रवाई क दशा इ अछि जे दरभंगाक दामिनी क आरोपी कए पुलिस एखन धरि पकडि नहि सकल अछि, ओकरा सजा कहिया भेटत इ त भगवान जानथि। इ किछु एहन उदाहरण अछि जे मीडिया मे चर्च कैल गेल अछि। एहन आओर कतेक घटना अछि जाहि मे कानून अपन कोनो भूमिका नहि देखा सकल। एहन मे अगर फुलबारी क एकटा विधवा अपन इज्जत लुटनिहार कए सजा अपन हाथ स द देलक त इ न्यायालय लेल एकटा सबक जेकां अछि। इ घटना साबित करैत अछि जे ओ महिला अपना सन आओर महिला कए बचा लेलक। कारण इ जे ओ कईटा आओर महिला क इज्जत लूटलाक बावजूद जेल क बदला मे समाज मे मौजूद छल। एहन काज कियो ओहिना नहि क लैत अछि, इ बता रहल अछि जे न्याय लेल उम्मीद क आखिरी ईजोत क डिबिया तक मिझा गेल अछि। इ अन्हार क सबूत अछि जे आम आदमी कए किछु देखा नहि रहल अछि ओ अपना लेल न्याय क गुहार करबा लेल कतहु ककरो स न्याय क उम्मीद नहि करैत अछि। अपने हाथ स फैसला क रहल अछि। न्यायालय कए इ सोचबाक चाही जे गरीब आ महिला सन असहाय समाज लग आखिर कोन बाट बचल अछि। गरीब आ महिला लेल भारत मे कानूनी लड़ाई आब एकटा अंतहीन युद्ध भ चुकल अछि। न्याय भेटबा मे देरी आम लोक कए कानून हाथ मे लेबा लेल विवश क रहल अछि। कोर्ट अपने मंथन करै जे कानून हाथ मे लेबा लेल आम आदमी कए मजबूर के क रहल अछि। आइ जेहन परिस्थिति देश मे उपजल अछि ओहि मे एहन काज लेल दोष आम आदमी कए देब कतहु स उचित नहि। त्वरित न्याय एकर एक मात्र समाधान अछि। न्यायालय कए एहि पर विचार करबाक चाही, नहि त न्यायालय क प्रति आम लोकक विश्वास आओर कमजोर होइत जाएत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

15 स शुरू भ जाएत भागलपुर स हवाई सेवा

Esamaad Epaper Website

टीसीएस क संग भेल प्रबंधन संस्थान क अनुबंध

Esamaad Epaper Website

ग्रेटर मुजफ्फरपुर क उम्मीद बढ़ल

Comments 1

  1. मुकेश पंजियार says:
    12 years ago

    सर्वप्रथम अशुद्धि के लेल क्षमा
    हमर घर खास मधुबनी अछि आ हम व्यकिगत रूप स जानैत छी जे कोन-कोन सरकारी कार्यालय मे कोना भ्रष्टाचार होयत अछि ! मोदा छोट पैमाना पर!
    वर्त्तमान परिवेश में जिला परिवहन कार्यालय में व्याप्त कुव्यवस्था एक वृहद और खतरनाक रूप ल नेने छैक !
    दलाली एवं सिफारिश के भयंकर बोलबाला अछि !
    बगर मे थाना सामने समाहरणालय एवं पाछू में सत्तारूढ़ पार्टी के जिला कार्यालय !
    तखनो बेख़ौफ़ और अहंकार स युक्त दलाल सब खुल्लम खुल्ला आम जन के शोषण करैत अछि !
    संगे आम जन कार्यालय के कार्यशैली में विलम्ब एवं भागदौड स बचई के लेल दलाल सभ के चक्कर मे परि क आपन आर्थिक शोषण कराबै के लेल तैयार छथिन !
    हम अहाँ स सविनय निवेदन करम जे अहाँ हमरा एहि वेबसाइट स जोड़ी क आपन बात राखै के मौका दिय !
    जे हम आपन कार्टून , लेख एवं स्टिंग ऑपरेशन के साक्ष्य के संग समस्त मिथिलावासी के जागरूक कराय के कोशिश करम !
    विशेष अहाँ के जवाब के इंतजार रहत !
    हमर फेसबुक आई डी अछि — http://www.facebook.com/mukesh.panjiyar.98
    हमर पेज के आई डी अछि — http://www.facebook.com/appanmadhubani
    हमर ब्लॉग के आई डी अछि — http://www.appanmadhubani.blogspot.in

    धन्यवाद !

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि