पटना : बिहटा क अम्हारा मे नेशनल इन्स्टीच्यूट आॅफ इलेक्ट्रॉनिक्स एण्ड इनफॉरमेशन टेक्नोलॉजी क शिलान्यास करैत केन्द्रीय सूचना प्रोद्यौगिकी मंत्री श्री कपिल सिब्बल कहला जे केंद्रीय विश्वविद्यालय जेकां बिहार मे दू ठाम नेशनल इन्स्टीच्यूट आॅफ इलेक्ट्रॉनिक्स एण्ड इनफॉरमेशन टेक्नोलॉजी संस्थान खोलल जाएत। अगर बिहार सरकार जमीन देत त दोसर परिसर उत्तर बिहारक कोनो शहर मे खोलल जा सकैत अछि। ज्ञात हुए जे तत्कालीन केंद्रीय मानव संसाधन राज्यमंत्री एमएएए फातमी एहि संस्थान लेल दरभंगाक नाम प्रस्तावित केने छलाह, मुदा बाद मे इ संस्थान बिहटा मे खोलल गेल, मुदा आइ जखन दोसर परिसरक मंजूरी भेटल तखनो इ तय नहि कैल गेल जे दोसर परिसर उत्तर बिहारक कोन शहर मे बनत। एहन मे नवनिर्मित मिथिला पार्टी जरूर दोसर परिसर दरभंगा मे बनेबाक मांग केलक अछि।
बिहटा मे शिलान्यास क बाद समारोह कए संबोधित करैत केन्द्रीय सूचना प्रोद्यौगिकी मंत्री श्री कपिल सिब्बल कहला जे
केन्द्रीय सूचना प्रोद्यौगिकी मंत्री कहा जे 2015 तक हिन्दुस्तान अपने चिप्स बनेबा योग्य भ जाएत, एकरा लेल हमरा मैनिफैक्चर इन्डस्ट्रीज बनेबाक अछि। श्री सिब्बल कहला जे ए व्यू टेक्नोलॉजी द्वारा एक संग दस हजार लोक कए लाभान्वित कैल जा सकैत अछि। एकरा लेल इच्छाशक्ति हेबाक चाही। ओ कहला जे नेशनल इन्स्टीच्यूट आॅफ इलेक्ट्रॉनिक्स एण्ड इनफॉरमेशन टेक्नोलॉजी एकटा एहन संस्था अछि जे सॉफ्टवेयर आ हाडर्वेयर कए कनेक्ट करैत अछि। श्री सिब्बल कहला जे नेशनल नॉलेज नेटवर्क क द्वारा हम भारत क 604 विश्वविद्यालय आ 35 हजार महाविद्यालय कए कनेक्टिविटी देब। चार सौ विश्वविद्यालय आ 15 हजार महाविद्यालय कए कनेक्टिविटी देल गेल अछि, मुदा एहि मे समस्या सेहो अछि। जा धरि विश्वविद्यालय क ढांचा मे परिवर्तन नहि होएत, ता धरि कनेक्टिविटी पूरा नहि होएत। एहि स पूर्व मुख्यमंत्री श्री नीतीश कुमार गंगा क उत्तर एकटा आओर नेशनल इन्स्टीच्यूट आॅफ इलेक्ट्रॉनिक्स एण्ड इनफॉरमेशन टेक्नोलॉजी स्थापित करबाक मांग रखलथि। ओ कहलथि जे बिहार मे एकटा संस्थान स किछु नहि होएत। इ युग आईटी क युग अछि आ बिहार कए दू टा संस्थानक आवश्यकता अछि।ओ कहला जे बिहार सरकार आईटी क क्षेत्र मे सॉफ्टवेयर आ हाडर्वेयर मे काज करबा लेल इच्छुक अछि। ओ कहला जे बिहार मे आईटी क नेटवर्क कए मजबूत बनेबा लेल केन्द्रीय सूचना प्रोद्यौगिकी मंत्री श्री कपिल सिब्बल साहब कए उदारता बरतबाक चाही। मुख्यमंत्री कहला जे एहि ठामक किसान धन्यवाद क पात्र छथि जे संस्थान लेल जमीन उपलब्ध करा रहल छथि। किसान कए मुआवजा राशि मे कोनो परेशानी नहि हुए से अधिकारी ध्यान राखति।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa