मुजफ्फरपुर : जिला मे नब उद्योग क लेल भूमि उपलब्ध करेनिहार संस्था बिहार औद्योगिक क्षेत्र विकास प्राधिकार (बियाडा) क भूमि बैंक खत्म हेबाक कगार पर अछि । एहन मे चिंतित उद्योग विभाग, जेकर जिला स्तर पर ‘आओ बिहार’ योजना साल भरि पहिने स चलि रहल अछि । आब एहि योजना कए जिला पदाधिकारी कार्यालय स्तर पर क्रियान्वित करबाक कवायद शुरू भ गेल। आओ बिहार योजना शुरू करबाक उद्देश्य नब औद्योगिक इकाई बा तकनीकी शैक्षणिक संस्था मे निवेश कए प्रोत्साहित करब अछि। एहि क तहत एहन भूधारी जे स्वेच्छा स अपन भूमि बेचअ चाहताह हुनका शामिल कैल जाएत।
एहन अछि जमीन बिक्री क प्रक्रिया
भू-मालिक कए कोनो शैक्षणिक तकनीकी संस्थान बा बड़का उद्योग क लेल जमीन बेचब अछि। त एकरा लेल लिखित आवेदन पत्र जिला पदाधिकारी कार्यालय मे दियए पड़त। उक्त जमीन इच्छुक उद्यमी कए उपलब्ध करा देल जाएत। आवेदन मे जमीन क ब्योरा क संग पंजीयन करैब अनिवार्य अछि।
बियाडा क जमीन खपि गेल उद्योग मे
बेला औद्योगिक क्षेत्र मे पिछला 35 साल मे 375 एकड़ भूमि उद्योग क स्थापना मे खपि गेल अछि। 30 अप्रैल कए आवंटित 40टा उद्योग कए जमीन देलाक बाद आब प्राधिकार लग भूमि बैंक खत्म भ गेल अछि।
निजी भूमि बैंक मे नहि आएल एक्को आवेदन
सरकार आओ बिहार क अलावा निजी भूमि बैंक क सेहो स्थापना क प्रस्ताव केने छल मुदा पिछला तीन मास मे एक्को टा निजी भूमि बैंक स्थापना क लेल पैघ भू स्वामी आगा नहि एलाह।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa