अहमदाबाद। अखनि कईटा कारण स आईआईएम क छात्र कनजर बिहार पर पड़ल अछि। पहिल कारण अछि जे दू वर्ष पहिने पूर्व रेलमंत्री लालू प्रसाद जखनि आईआईएम अहमदाबाद मे छात्र कए मैनेजमेंट क गुर सिखेने छलथि, ओहि स प्रभावित भ कए बी-स्कूल क छात्र बिहार क रुख केलक अछि। दोसर, जे किछु वर्ष मे बिहार मे रिकॉर्ड विकास दर पाउल गेल, ओहि स प्रभावित भ कए आईआईएम अहमदाबाद क छात्र बिहार क यात्रा करि लेल योजना बना रहल अछि ताकि ओ समस्या कए समझताह आ ओकर समाधान लेल प्रयास करताह। पीजीपी-एजीएम कए प्रथम वर्ष क छात्र राज्य क विभिन्न क्षेत्र मे दू सप्ताह क यात्रा करताह। ओ दू फेज अप्रैल आ दिसंबर मे एकरा अमलीजामा पहनउताह। ओ स्थानीय स्तर पर दैनिक जीवन मे अबै वाला समस्या कए नजदीक स देखताह आ ओकरा समझताह। मालूम हुए जे बिहार पिछला पांच वर्ष मे 11.03 फीसदी क विकास दर हासिल केलक अछि, मुदा ओ मात्र गुजरात स पाछु अछि।
छात्र क एकटा समूह राज्य मे पटना आ मधुबनी जेहन जिला क भ्रमण करताह, आ दोसर समूह गुजरात क मेहसाना आ कूच जेहन जिला क आ महाराष्टï्र क औरंगाबाद एहन जिला क भ्रमण करताह। मालूम हुए जे छात्र पिछला साल सेहो महाष्टï्र क कोल्हापुर आ चित्तौर जेहन क्षेत्र मे भ्रमण केने छलथि।
देर सही दुरुस्त आयल, आख़िरकार दुनियां के अहि बातक एह्शास भेलैक जे बिहार प्रतिभाक खान अछि एकरा दरकिनार क s के हम सब अनुचित के रहल छी
जय मिथिला ………… जय मैथिली
आशा जरुर अछि जे एक दिन ,,ई समाद,, अपन चरम सिमा पर जरुर पहुँचत , बहुत निक -निक खबैर सुनबैत छी , जय मैथिलि – जय मिथिला ,
मदन कुमार ठाकुर ( नॉएडा )