पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे ऋण देबा मे बैंक क आनाकानी आब बर्दाश्त नहि कैल जाएत। राज्य स्तरीय बैंकर्स समिति क 40म बैसार मे मुख्यमंत्री कहला जे बिहार क लोक लेल ‘बचत’ क मतलब ‘बैंक’ अछि। एहि लेल बैंक कए फायदा भ रहल अछि। राज्य क लोक एखन धरि पूंजी बाजार [कैपिटल मार्केट] स नहि जुड़लथि अछि एहि लेल बिहार मे जमा आन राज्य स बेसी अछि। मुदा कर्ज देबाक गति एखनो संतोषप्रद नहि अछि। ओ ओ कहला जे बैंक प्रोत्साहन क बजाय स्वयं सहायता समूह स सब्सिडी पर सेहो ब्याज ल रहल अछि, जखनकि ओ राज्य क अनुदान अछि। एसएचजी राज्य मे पीडीएस चला रहल अछि आ ऋण क अदायगी करि रहल अछि। इ महिला सशक्तीकरण मे योगदान करि रहल अछि। बैंक कए एहि पर सोचबाक चाही। एहि लेल बैंक कए प्रोत्साहन देबाक चाही।
मुख्यमंत्री कहला जे भ्रष्टाचार क सूचना हमरा तक पहुंच रहल अछि। ओ कहला जे योजना आयोग आओर बैंक क सहमति स बिहार भूमिगत जल सिंचाई योजना [बिगविस] शुरू केने छल, मुदा तीन वर्ष बीतलाक बाद 15 फीसदी लक्ष्य हासिल भ पाओल अछि। एहि मे बिचौलिया क भूमिका नहि अछि, एहि लेल बैंक रुचि नहि ल रहल अछि। मुख्यमंत्री कहला जे किसान क्रेडिट कार्ड क मामला मे बैंक मे भ्रष्टाचार व्याप्त अछि। बैंक अधिकारी बिचौलिया क माध्यम स रिश्वत लैत छथि। स्वयं सहायता समूह कए सेहो बिना परेशानी/घूस कए मदद नहि भेटैत अछि।
कृषि कए प्राथमिकता क क्षेत्र कहैत नीतीश कहला जे एखन बिहार क राज्य सकल घरेलू उत्पाद [जीएसडीपी] 13 फीसदी अछि। एहि मे सेवा आओर निर्माण क्षेत्र क योगदान बेसी अछि। एहि आर्थिक विकास दर कए लगातार जारी रखबा लेल कृषि पर बेसी ध्यान देल जा रहल अछि। नीतीश कृषि रोडमैप पर बैंक कए विचार करबा लेल कहलथि। ओ कहला जे बैंक विचार करए जे ओ एहि मे कोन प्रकार स मदद क सकैत अछि। पांच वर्ष क दौरान बिहार एहि क्षेत्र मे 1.5 लाख करोड़ टका खर्च करबाक इच्छुक अछि। कृषि रोडमैप पर बैंक अलग स एकटा एसएलबीसी आयोजित करि सकैत अछि।
राज्य मे बैंकों मे लूटपाट आ चोरी क घटना कए देखैत राज्य सरकार बैंक क सुरक्षा चिंता क समाधान करत। मुख्यमंत्री कहला जे सरकार कए बैंकक सुरक्षा संबंधी चिंता ख्याल अछि। सुरक्षा चिंता क राज्य सरकार समाधान करत। एहि लेल जल्द मुख्य सचिव स्तर पर एकटा बैसार कैल जाएत, जाहि मे बैंक प्रतिनिधि क गप सुनल जाएत। बैसार मे राज्य क पुलिस महानिदेशक सेहो उपस्थित रहताह।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper