• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

पूरा भेल सपना, छू लेलहुं आसमान

November 7, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पूर्णिया। पूर्णिया लेल मंगलदिन ऐतिहासिक रहल। करीब 79 साल पहिने देखल सपना पूरा भेल। एकटा एहन सपना आइ हकीकत बनि गेल जे आंखि स बिला गेल छल। 37 साल पहिने सेवा शुरू करबाक कोशिश भेल छल, मुदा ओ सफल नहि भेल आ राज्‍य क स्थिति एहन भ गेल जे हवाई जहाज त दूर नीक बस तक शहर लेल उपलब्‍ध नहि रहल। मुदा ठीक कहल गेल अछि सबकिछु खत्‍म भेलाक बाद जे बचि जाइत अछि ओ होइत अछि उम्‍मीद। पूर्णिया क लोक अपन सपना उम्‍मीद क संग बचा रखने छलथि। पूर्णिया मे आइ विमान सेवा शुरू भेला स एहि क्षेत्रक विकास कए नव आयाम भेटल अछि। व्यापारिक आ शैक्षणिक गतिविधि मे सेहो तेजी एबाक उम्मीद अछि।
जानकारीक अनुसार आइ स्प्रिट एयरवेज क विमान क लैंडिंग क संगहि 37 साल बाद पूर्णिया एक बेर फेर हवाई नक्शा पर आबाद भ गेल। विमान अपन निर्धारित समय 12.30 बजे स 20 मिनट क देरी स 12.50 बजे आयल। जखनकि पूर्णिया स आठटा यात्री कए ल कए विमान एक घंटा पांच मिनट विलंब स 1.55 बजे पटना लेल टेक ऑफ केलक। विमान कए पूर्णिया क आकाश पर उडैत देरी लोक क हवाई सेवा क 79 साल पुरान सपना पूरा भ गेल।
कोलकाता स आयल विमान क पायलट कैप्टन कृत पटेल छलाह। जखनकि विमान स नीचा उतरबाक पहिल यात्री भेलाह ग्रीन वैली क निदेशक नितेश कुमार सिंह। विमान क लैंडिंग क संगहि एयरपोर्ट पर मौजूद लोक यात्री क स्वागत लेल दौड़ पडलाह। स्प्रिट एयरवेज क कर्मचारी यात्री कए बुके प्रदान केलथि। कोलकाता स आयल यात्री मे विक्रम सिंह, एके सिंह, पीके चौबे, सीपी सिंह, पी कुमार, आरके सिंह आ एम नारायण सेहो शामिल छलाह। ओतहि पटना लेल उड़ान भरनिहार रंजना, एनके सिंह, अरुण राय, मितेश चंद, श्रृष्टि समेत आठटा यात्री शामिल छलाह। पूर्णिया स विमान सेवा शुरू हेबा मे विंग कमांडर विश्वजीत कुमार सिंह महत्वपूर्ण भूमिका निभेलाह।
एहि स पूर्व एहि मौका पर आयोजित समारोह मे वायुसेना क अधिकारी आ प्रशासनिक अधिकारी समेत आम लोक सेहो शामिल भेलथि। आम लोक मे सेहो विमान सेवा क शुरूआत पर प्रसन्नता अछि। लोक दूदिन क एहि सेवा कए नियमित सेवा करवाक मांग केलथि। एहि मौका पर विंग कमांडर विश्वजीत कुमार सिंह, एसएसबी डीआईजी केपी सिंह सहित कई गोटे अपन अपन विचार रखलथि आ एहि दिन कए ऐतिहासिक कहैत एकर विस्तार क कामना केलथि। एहि अवसर पर आम लोक सब विंग कमांडर विश्वजीत कए धन्‍यवाद देलथि जे सैन्‍य हवाई अडडा कए आम लोक लेल उपयोग करबाक मंजूरी देलथि। स्वाति वैश्यंत्री सन बहुत लोक कए इ दुख रहल जे ओ एहि ऐतिहासिक सेवा क पहिल यात्री नहि बनि सकलथि। ओना पहिल दिनक यात्री मे उत्‍साह देखबा योग्‍य छल। सबहक चेहरा चमकि रहल छल आ बस जल्‍द स जल्‍द आसमान छू लेबाक जोश छल। विंग कमांडर लोक क भावना कए देखैत सुविधा विस्तार लेल प्रयास करबाक आश्वासन देलथि। उम्‍मीद कैल जाए शीघ्र बिहारक अन्‍य शहर स सेहो एहन सेवा शुरू होएत।
2009 मे जखन इ’समाद पहिल बेर इ समाज देने छल जे पूर्णिया आ दरभंगा स हवाईसेवा शुरू होएत त समाद लिखबा काल अपनो विश्‍वास नहि होइत छल। दरभंगा स शुरू भेल त विमान रनवे पर फिसली गेल आ सपना सपने रहि गेल। इ’समाद लोक संग रहल आ स्‍प्रीट एयरवेज क पटना प्रबंध श्री सुरेंद्र प्रसाद स जानकारी लैत रहल। छह सीट क जहाज क बदला मे 10 सीट क जहाज चलबाक जानकारी सेहो भेटल, पिछला साल दिल्‍ली क पालम एयरपोर्ट पर जखन जहाज कए देखल त विश्‍वास पुख्‍ता भ गेल आ लिखबा मे हर्ज नहि रहल जे आसमान होएत अपन। आइ आखिरकार पूर्णिया क लालबाबू मैदान अर्थात चूनापुर सैन्य हवाई अडडा स यात्री विमान सेवा क शुरूआत कैल गेल। ज्ञात हुए जे बिहार मे सबस पहिने 1933 मे एहि ठाम हवाई जहाज उतरल छल।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

विकास लेल दौड़त चैनपुर, अहां देब संग

सांझ मे दिवाली, राति मे काली पूजा

Esamaad Epaper Website

नव जोश, पुरान लक्ष्‍य

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि