26 एकड़ मे 200 करोड क लागत स बनत बस अड्डा
3 हजार बस कए प्रतिदिन होएत आवाजाही
पटना: पटना मे देश क आधुनिकतम इंटर स्टेट बस टर्मिनल बनत। 26 एकड़ मे प्रस्तावित बस टर्मिनल मे एयरपोर्ट सन सबटा सुविधा होएत आ एहि पर 200 करोड़ खर्च होएत। इ फैसला एक अणे मार्ग मे मुख्यमंत्री श्री नीतीश कुमार क अध्यक्षता मे भेल नगर विकास विभाग क उच्चस्तरीय समीक्षा बैसार मे लेल गेल। बैसार क बाद सचिव नगर विकास विभाग डॉ एस सिद्धार्थ कहला जे इ बस स्टैण्ड देश क आधुनिकतम बस स्टैण्ड होएत। इ दिल्ली आ चेन्नई क आईएसबीटी क समकक्ष होएत। एहि बस टर्मिनल मे 3 हजार बस कए प्रतिदिन आवाजाही क व्यवस्था होएत। ओ कहला जे पटना शहर मे जे सिटी बस सर्विस शुरू कैल जा रहल अछि ओकर पार्किंग सेहो ओहि ठाम होएत
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa