पटना । बिहार एलपीजी सिलिंडर क मामला मे आत्मनिर्भर भ गेल । इ’समाद सबस पहिने इ सूचना देने छल जे बिहार मे रसोई गैस क किल्लत कए खत्म करबा लेल इंडेन मिथिला क्षेत्र मे अपन दोसर रिफिलिंग प्लांट लगा रहल अछि । आइ मुजफफरपुर क ओ प्लांट नहि सिर्फ चालू भ चुकल अछि, बल्कि बरौनी आ पटना क प्लांट क विस्तार सेहो कैल जा चुकल अछि। मुजफफरपुर क नवनिर्मित प्लांट क क्षमता जतए 60 ट्रक क अछि, ओतहि बरौनी प्लांट क क्षमता आब 60 स बढिकए 120 ट्रक भ गेल अछि । इंडेन क पदाधिकारी क अनुसार बिहार मे आब प्रतिदिन 300 ट्रक गैस उपलब्ध भ रहल अछि, जखनकि मांग केवल 240 ट्रक क अछि। ज्ञात हुए जे एकटा ट्रक पर 306 सिलिंडर लादल जाइत अछि। एहन मे आब लोक कए गैस लेल बाट तकबाक मजबूरी खत्म भ जएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर