• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

एवन मार्च स करत बिहार मे साइकिल क उत्‍पादन

October 31, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

हाजीपुर क प्लांट मे रोज बनत 500 साइकिल
हीरो साइकिल्स आ टीआई साइकिल लेल नहि भेटल जगह
पटना।
आब ओ दिन दूर नहि जखन हम सब बिहार मे उत्‍पादित साइकिल पर चढब। एवन साइकिल लिमिटेड हाजीपुर मे अपन प्लांट बनेबा मे जुटि गेल अछि। सरकार कंपनी कए एहि प्‍लांट लेल 2.5 एकड़ जमीन क आवंटन केने छल। एवन साइकिल क प्रबंध निदेशक ओंकार सिंह पहवा क कहब अछि जे प्रस्‍तावित प्‍लांट स चालू वित्तीय वर्ष क अंत तक उत्पादन शुरू भ जाएत। शुरू मे सब दिन 500 साइकिल क उत्पादन होएत मुदा मांग कए देखैत एकर उत्पादन क्षमता बढ़ाउल जाएत। ज्ञात हुए जे भारत मे बिहार साइकिल क सबस पैघ बाजार अछि। मुदा आब बहुत जल्‍द बिहार सबस पैघ साइकिल उत्‍पादक राज्‍य सेहो बनि जाएत।
लुधियाना मे बिहारी मजदूरक किल्‍लत आ बिहार मे बढैत साइकिल बाजार कए देखैत साइकिल निर्माण स जुडल कईटा दिग्गज कंपनी सब बिहार मे अपन नव अड्डा बनेबा क फैसला क चुकल अछि, एवन कए त मनचाहा जमीन भेल गेल, मुदा बाकी कए एखन धरि मनचाही जमीन नहि भेट सकल अछि, ताहि लेल हुनकर परियोजना जमीन पर आगू नहि बढि रहल अछि।
एवन साइकिल लिमिटेड क प्रबंध निदेशक ओंकार सिंह पहवा कहला जे जमीन एकटा पैघ समस्‍या अछि आ राज्‍य सरकार एहि दिस गंभीरता स काज नहि क रहल अछि। हमर कंपनी सेहो बिहार मे साइकिल क बढैत मांग कए देखैत हाजीपुर मे प्लांट स्थापित करबाक निर्णय लेलक अछि। बिहार मे सालाना 30 लाख साइकिल क बिक्री भ रहल अछि। एहि मे एवन क 26 प्रतिशत मार्केट शेयर अछि। हाजीपुर प्‍लांट शुरू भेला स हमर मार्केट शेयर बढबाक उम्‍मीद अछि। कंपनी क बिहार मे 108, झारखंड मे 45 आ नेपाल मे 12 टा डीलर अछि। ओ कहला जे हाजीपुर प्‍लांट पर आठ करोड खर्च कैल जा रहल अछि।
दोसर दिस राज्य सरकार क कहब अछि जे टीआई साइकिल्स शुरुआत मे राज्य सरकार स पटना मे जमीन मंगने छल। मुदा जमीन क जे टुकड़ा राज्य सरकार द रहल छल, ओ कंपनी क अधिकारी कए पसंद नहि आयल। कंपनी राज्य मे 45 करोड़ क लागत स अपन कारखाना क निर्माण क योजना बनाने अछि। ओकर उत्पादन क्षमता 20 लाख साइकिल निर्धारित अछि।
देश क जानल-मानल दू-पहिया वाहन निर्माता कंपनी हीरो साइकिल्स क प्रबंध निदेशक पंकज मुंजाल क सेहो राज्य सरकार क अधिकारी क संग कई बेर बैसार भ चुकल अछि। हालांकि, एखन धरि हुनक परियोजना जमीन क मसला पर अटकल अछि। मुंजाल क कहब अछि जे बिहार मे हुनकर कंपनी रोजाना करीब 4,000 साइकिल बेचैत अछि। एहन मे जाहिर अछि जे हुनका लेल इ काफी पैघ बाजार अछि। मुदा मनमाफिक जमीन नहि भेटला स हुनकर प्‍लांट नहि लागि सकल अछि। ओ कहला जे हुनकर कंपनी पटना क आसपास क इलाके मे अपन इकाई लगेबाक योजना सरकार लग देने अछि, मुदा सरकार पटना लग जमीन नहि द रहल अछि। सूत्र क कहब अछि जे हीरो साइकिल राज्य मे करीब 100 करोड़ क निवेश क योजना बनेने अछि।
एहि पूरा मामला पर राज्य क उद्योग मंत्री रेणु कुशवाहा क कहब अछि जे सरकार कोनो एकटा इलाका मे सबटा कंपनी कए जमीन नहि द सकैत अछि। हमरा पूरा राज्य क औद्योगिकीकरण करबाक अछि। सबटा निवेशक कए पटना मे जमीन देब असंभव अछि। हुनका अन्‍य शहर क चयन करबाक चाही। अगर कोनो निवेशक पटना छोडि कए कोनो आओर हिस्सा मे जमीन लेता त सरकार देबा लेल तैयार अछि। हमसब निवेशक लेल देश क सबस नीक औद्योगिक नीति बनेने छी। हम हुनका हरमुमकिन मदद द रहल छी। हुनका सरकारक इ दुविधा कए बुझबाक चाही। बिहार में बहुत शहर अछि जाहि ठाम ओ अपन प्‍लांट लगा सकैत छथि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

मिथिला क्षेत्र मे लागत बिहार क पहिल परमाणु विद्युत संयंत्र

Esamaad Epaper Website

आ आबि गेलीह मैथिली..

Esamaad Epaper Website

दक्षिण बिहार मे लागत हाइटेक रेडियो फ्रीक्वेंसी इलेक्ट्रानिक मीटर

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि