पटना । बिहार राज्य विद्युत बोर्ड मुंबई क एस्सार पावर कए देल पटनाक फ्रेंचाइजी निरस्त क देलक अछि। संगहि 50 लाख टका क गारंटी मनी सेहो जब्त क लेलक अछि। एस्सार पावर अपन बिजली अनबाक शर्त पर अडल छल। जखनकि बोर्ड एकर अनुमति देबा लेल तैयार नहि भेल। एहि मसला पर बोर्ड आ एस्सार पावर प्रबंधन आमने-सामने आबि गेल छल। अंतत: बोर्ड ओकरा देल पटनाक फ्रेंचाइजी निरस्त क देलक अछि। बोर्ड आब नव सिरा स पटना, गया, मुजफ्फरपुर आओर भागलपुर क बिजली आपूर्ति व्यवस्था फ्रेंचाइजी पर देबाक तैयारी मे अछि। अगिला चरण मे पूर्णिया, दरभंगा सहित राज्य क कईटा शहर मे फ्रेंचाइजी व्यवस्था लागू कैल जाएत। एहि बेर भारत सरकार क ‘स्टैंडर्ड बिडिंग डाक्यूमेंट’ क आधार पर फ्रेंचाइजी देल जाएत। ज्ञात हुए जे भारत सरकार देश क सबटा बिजली बोर्ड लेल फ्रेंचाइजी माडल तैयार केलक अछि।
एहि संबंध मे एस्सार पावर क सीइओ सिद्धार्थ मेहता क आरोप अछि जे बिजली बोर्ड गलत ढंग स गारंटी मनी जब्त केलक अछि। ओ कहला जे बिहार मे बिजली क कमी अछि। एहि लेल हमसब अपन बिजली अनबाक विचार केलहुं। पर्याप्त बिजली नहि भेटला पर कंपनी कए उपभोक्ता क कोपभाजन बनब तय अछि। बिजली टैरिफ त बोर्ड तय करैत अछि। एहन मे बोर्ड कए हमर बिजली स की आपत्ति छल से पता नहि। हमसब त 24 घंटा फ्यूजकाल क व्यवस्था क संग अपन बिजली क आपूर्ति करए चाहैत छी। शर्त मे इ सेहो उल्लेख अछि जे बिजली क कमी भेला पर कंपनी बिजली उपलब्ध कराउत। हम पूरा बिजली देबाक इच्छा रखैत छी एहिना बोर्ड कए की परेशानी अछि? ओ कहला जे हम सब जनैत छी जे बिहार मे बिजली क मांग करीब 3000 मेगावाट अछि जखनकि उत्पादन एक मेगावाट तक नहि अछि। केन्द्रीय सेक्टर मे बिहारक हिस्सेदारी महज 1872 मेगावाट अछि जाहि मे स महज औसतन उपलब्ध बिजली 1100 मेगावाट होइत अछि। एहन मे बोर्ड आइ 500 मेगावाट खरीद रहल अछि। अगर एस्सार पावर अपन बिजली क संग अबैत अछि त बिहार राज्य विद्युत बोर्ड करीब 400 मेगावाट बिजली अन्य इलाका कए द सकत।
ज्ञात हुए जे बिहार मे बिजली संकट क निराकरण आ बोर्ड कए घाटा स उबारबा लेल बिहार राज्य विद्युत बोर्ड चारिटा शहरक बिजली आपूर्ति व्यवस्था कए फ्रेंचाइजी पर देबाक कवायद वर्ष 2009 स चलि रहल अछि। 2011 मे एस्सार पावर पटना आ मुजफ्फरपुर शहर क बिजली व्यवस्था कए फ्रेंचाइजी पर लेबा लेल निविदा देने छल।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna