• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

एहन श्रृंगार किया हम देखू

November 4, 2012
in संपादकीय, समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

कुमुद सिंह
देशक बहुत रास शहर अपन स्‍थापत्‍य कला स प्रसिद्ध अछि। दरभंगा क कामेश्‍वर नगर सेहो अपन स्‍थापत्‍य कला लेल प्रसिद्ध रहल अछि। मुगल आ यूरोपियन स्‍थापत्‍य कलाक अनुपम संगम एहि ठाम देखल जा सकैत अछि। एहि नगरक खूबसरती एहन छल जे मिथिला विश्‍वविद्यालय जखन मोहनपुर स एहि नगर मे स्‍थानांतरित भेल त विश्‍वविद्यालयक पहिल कुलपति मदनेश्‍वर मिश्र एहि परिसर कए मात्र छात्र लेल नहि बल्कि दरभंगाक आम जनता क दर्शनार्थ करीब 3 किमी दीवाल कए तोडबा देलथि आ ग्रिलिंग करबा लोक कए एहि परिसर कए देखेबाक काज केलथि। मुदा आइ इ परिसर क देखनुख भवन कए खंडहर बनेलाक बाद विश्‍वविद्यालय प्रशासन एकर स्‍थापत्‍य कला कए सेहो खत्‍म करबा मे लागल अछि। हाल इ अछि जे मिथिला विश्‍वविद्यालय प्रशासन कए कामेश्‍वर नगर क स्‍वरूप कए नष्‍ट करबा क बस बहाना भेटबाक चाही। आम लोकक विरोध कए ओ जहां तक संभव भ सकैत अछि नजरअंदाज क दैत अछि। ओना हाल मे भारत क प्रथम भूकंपरोधि नरगौना पैलेस क सामने आवासीय परिसर त विरोध क बाद नहि बनि सकल, मुदा विवि प्रशासन ओहि विरोध कए मात्र नव निर्माण क विरोध बुझबाक गलती केलक। जखन कि ओ विरोध नव निर्माण क विरोध मात्र नहि छल,बल्कि विरोध स्‍वरूप कए नष्‍ट करबा आ एहि परिसर क स्‍थापत्‍य कला कए नजरअंदाज करबाक विरोध छल। विश्‍वविद्यालय प्रशासन एहि विरोध कए बुझबा लेल एखनो तैयार नहि अछि। दरभंगाक जनताक प्रतिनिधि नगर विधायक संजय सरावगी आ दरभंगा स्‍नातक क्षेत्र स विधान पार्षद विनोद चौधरी क आपत्तिक बावजूद परिसर मे बेतरकीब निर्माण कैल जा रहल अछि। यूरोपियन गेस्‍ट हाउस क सामने बनि रहल भवन क डिजाइन ओकर आसपास क पुरान भवन स कनेको मेल नहि खाइत अछि, जखन कि भवनक डिजाइन बनेनिहार लग इ पहिल शर्त राखल जेबाक चाहैत जे नव भवन पुरान स मिलैत जुलैत रहबाक चाही बा कम स कम पुराने भवनक स्‍थापत्‍य कला स प्रेरित भ कए बनाउल जेबाक चाही। मुदा एहन एहि परिसर मे बनल कोनो नव भवन क डिजाइन तैयार केनिहार लग कहियो शर्त नहि राखल गेल। एहन मे पुरान भवन आ नव भवन क डिजाइन मे कोनो मेल नहि देखा रहल अछि। एहि स भ इ रहल अछि जे पूरा परिसर क एकरूपताक संगहि सुंदरता खत्‍म हेबाक दुहारि पर अछि। जाहि परिसर क सुंदरता देखेबा लेल पहिल कुलपति दीवार खसा देलथि ओहि परिसर क सुंदरता कए खत्‍म करबा लेल वर्तमान कुलपति हर दीवार क सामने नव दीवार ढार क रहल छथि। नव भवनक नाम पर परिसर कए चितकबडा स्‍वरूप प्रदान क रहल छथि। देश भरि मे जतए कतहु एहि प्रकार क परिसर मे नव निर्माण होइत अछि ओतए पुरान डिजाइन क अनुरूप नव डिजाइन तैयार कैल जाइत अछि, ओकर रंग-रोगन कैल जाइत अछि, मुदा मिथिला विश्‍वविद्यालय जखन कोनो नव निर्माण केलक एकर ध्‍यान रखबाक कनिको ध्‍यान नहि रखलक। एहन मे जयपुर क पहिल सांसद गायत्री देवी क अंतिम साक्षात्‍कार याद आबि रहल अछि जाहि मे ओ कहने छलीह जे गुलाबी रंगक बिना जयपुर बेरंग लगैत अछि। एहिना पटना मे बिहार विद्यालय परीक्षा समितिक भवन एक मंजिला छल। कांग्रेस सांसद रामलखन सिंह यादव जखन ओकरा बहुमंजिला बनेबाक फैसला लेलथि त बाकी क मंजिल सेहो पुरान ढांचाक अनुरूप तैयार कैल गेल। एहन कईटा उदाहरण बिहार मे सेहो मौजूद अछि, मुदा दरभंगा मे एहन भावना आम लोक मे दिन प्रतिदिन कम होइत गेल, मुदा आब विरोध शुरू भ गेल अछि। दरभंगा क नव पीढी इ बुझि लेलक अछि जे अगर आब एकर विरोध नहि होएत त दरभंगा पहिने स एहि परिसर मे बहुत किछु नष्‍ट होइत देख चुकल अछि, एहन मे भविष्‍य मे कहीं हम एहि परिसर कए फोटो मे देखबा लेल नहि मजबूर भ जाए। हमरा सब कए इ बुझबाक चाही जे कामेश्‍वर नगर दरभंगा क धरोहर छी, विवि प्रशासन एहि धरोहर कए नष्‍ट करबाक कोनो नैतिक बा कानूनी अधिकार नहि रखैत अछि। विश्‍वविद्यालय प्रशासन जाहि रूप स एहि परिसर क श्रृंगार क रहल अछि एहन मे त बस एतबा कहि सकैत छी जे एहन श्रृंगार किया हम देखू।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

कोनो भाषा कए भूगोल मे नहि बंधबाक चाही : नचिकेता

अधिकार रैली स उपजत पिछड़ल राज्‍य क गोलबंदी

पुण्‍यतिथि पर जनकवि यात्री कए नमन

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि