दरभंगा : मन्टुनमा आय भोर स परेशान रहै, पटना मे आइ बारह बजे ओकर परीक्षा छल आ नौ बजिया ट्रेन छुटि गेल छल। आब की करी, कोना करी। एतेक पाइयो नहि छल जे निजी गाड़ी ल कए पटना जाय सकए। रोडवेज क बस मे जैत त दू बजे स पहिने नहि पहुंचत। मोने मोन बड़ हताश आ निराश मन्टुनमा सोचि रहल छल जे काश ऑनलाइन परीक्षा क सुविधा दरभंगा मे रहिते त आइ एहन दिन नहि देखै पडितए।
इन्सटीच्यूशन ऑफ प्राफेशनल एजुकेशन मन्टुनमा संग दरभंगा क लोकक इ सपना आइ पूरा क देलक अछि। आब मन्टुनमा क ऑनलाइन परीक्षा लेल बाहर नहि जाए पड़त, दरभंगा मे ओ सबटा परीक्षा द सकत। जे परीक्षा पटना, रांची आ दिल्ली मे होइत छल ओ आब दरभंगा मे सेहो आयोजित भ रहल अछि। इग्नू -डीबीएफ , डिप्लोमा, सिफि , एसएमयू, केएसओयू आओर आन शैक्षणिक संस्थान क परीक्षा दरभंगा मे होए तकर कॉन्ट्रैक्ट फ़ाइनल भ गेल अछि। परीक्षा जनवरी स शुरू भ जाएत। एहि संबंध मे जानकारी दैत आईपीई क गौतम कृष्णा कहलथि जे दरभंगा मे बैंकिंग आओर बहुत रास इंटरनेशनल एग्जाम कोल माइनिंग , आइओबी, एमबीए आदि क परीक्षा इ संस्थान पूर्व स ल रहल अछि। संस्थान सतत प्रयासरत अछि जे एलआईसी आओर आन इन्श्योरेंश एजेंट जे IRDA संस्थान क माध्यम स होइत अछि, सेहो अप्पन दरभंगा मे होय, ताकि अपन क्षेत्रक बच्चा सब कए बेसी स बेसी सुविधा भेट सकय। संगे ओ एकटा महत्वपूर्ण सूचना दैत कहलथि जे दरभंगा क लोक कए आब दुरस्थ शिक्षा लेल बाहर जेबाक जरूरत नहि होएत, एहि ठाम स ओ दुरस्थ शिक्षा क सबटा फॉर्म भरि सकैत छथि आ परीक्षा सेहो द सकैत अछि। ज्ञात हो जे गौतम कृष्ण दिल्ली मे रहैत छलथि मुदा अपन माटिक प्रेम हुनका दरभंगा आनि लेलक आ एहि ठाम ओ दरभंगा क विद्यार्थी लेल कम्प्युटर शिक्षा क शुरूआत केलथि, जे बहुत कम पाइ पर राष्ट्रीय स्तर क कम्प्युटर शिक्षा प्रदान करैत अछि।
– इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
Bahut Bahut Dhanaybaad Esamaad.cm parivaar ke ehi message ke lok tak pahuchabay hetu
koti koti dhnyabaad anhan ke Esamaad parivaar lokni ke je hamara sabhak lel ie subhidaa del gale.