नई दिल्ली। मलंगिया नाट्य महोत्सव क अंतिम दिन मुख्य अतिथि जे पी सिंह कहलैथि जे एतेक कम समय मे एतबा पैघ आयोजन लेल मैलोरंग निश्चित बधाई क पात्र अछि। एहेन आपात आ अवरोध क बादो जे श्रीराम सेंटर खचाखच भरल अछि इ देखि क हम आह्लादित भए रहल छी। ओ कहलैथि जे आजुक जुग मे जे भी रंगदल शौकिया तौर पर मंचन करैत अछि वा मंचन स जुडल अछि ओहि सफल होयत अछि, कियाकि अहाँ पैसा क लेल रंगमंच नै कए सकब। ओ एतेक दर्शक क मैथिली रंगमंच क आदत लगेबा लेल मैलोरंग क टीम क बधाई देलैथि।
अंतिम दिनक आयोजन मे मैलोरंग टीम क प्रस्तुति छल “ओरिजिनल काम” हालहिं म एही नाटक मंचन दिल्ली क दर्शक तालकटोरा स्टेडियम क मुक्ताकाश म देखलक अछि आ सराहलक अछि। मुदा एही आयोजन क प्रस्तुती सभ स अलग छल। आयोजनक अंतिम दिन मैलोरंग अपन ओरिजिनल काम देखा देलक। कम्पनी क भूमिका मे मुकेश एक बेर फेर अपन अभिनय क लोहा मनेलथि आ हुनकर एक एक शब्द आ भाव भंगिमा पर दर्शक क हंसी आ नोर दुनु बहराएल। सफीक क भूमिका मे अनिल मिश्रा सेहो अपन भूमिका क जिवंत बनेलैथि। उचितलाल कए भूमिका मे प्रवीण कुमार एक बेर फेर अपन जोरदार प्रस्तुति दए दर्शक क गदगद कए देलैथि। एकतरफ हुनकर एक-एक टा संवाद पर दर्शक एक एक-एक हाथ उछलि जाएत छल कुर्सी सों, दोसर तरफ हुनकर कानब दर्शक क हृदय द्रवित कए देलक। बेहतरीन अभिनय, एहेन माने अपन कला जीवन क 100% लगा देने होए। प्रवीण जी निश्चित धन्यवाद क पात्र अछि हुनकर अभिनय दिन प्रतिदिन निखरल जाएत छल। संवाद आदायगी कमाल कए छल। जीवलाल आ शिवलाल क भूमिका मे अमरजी राय आ अमित अकेला सेहो नीक काज केलैथि। शिवलाल बनल अमित अकेला क पेंट क ड़ोरी होए वा हाँसु स कोकोकोला कए बोतल क मुन्ना खोलनाय सबटा दृष्य गामक भूमिका क जीवंत केने छल। दरोगा क रूप म सोनिया झा सेहो नीक अभिनय केलैथि। गुरु क भूमिका म आयल राजिव रंजन झा ( रॉकस्टार झा) क अभिनाय सेहो कमाल अछि। हिनकर सौउद बला भाषा ( मैथिलीआई हिंदी) दर्शक क लोट पोट कए देलक। एक तरफ जहाँ प्रकाश पक्ष नीक छल ओतही संगीत आ ध्वनि पक्ष कनी दुखी केलक। अभिनेता क मुँख पर थकान क लक्षण देखबा रहल छल मुदा जोश म कुनू कमी नै। कुल मिला कए बेहतरीन रहल नाटक।
कर्यक्रम क अंत मे मलंगिया जी कहलैथि जे इ नाटक ग्रामीण क ओ जीवन क प्रस्तुत करैत अछि जाही म ओ कोकोकोला क मतलबो नै बुझैत अछि। आ कोकोकोला किनय मे मोलमोलाय करैत अछि। आ एहेन समाज क चित्रण केने बिना इ कहनाय सार्थक नै होयत जे साहित्य समाजक दर्पण होयत अछि। एही अवसर पर मंच क संचालन क जिम्मा छल मैलोरंग क संस्थापक सदस्य ऋषि कुमार झाक। कर्यक्रम क अंत मे मुकेश जी सब सहयोग देनिहार आ मैलोरंग टीम क आभार व्यक्त केलेनि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर