पटना : केंद्रीय कृषि राज्य मंत्री तारिक अनवर कहला अछि जे बिहार मे खपत क अनुरूप माछ क उत्पादन नहि भ रहल अछि। एकरा लेल कटिहार मे फिश इंटीग्रेटेड रिसर्च सेंटर स्थापित करबाक योजना अछि। कोशिश अछि जे मिथिला एक बेर फेर फिश हब क रूप मे विकसित भ जाए आ एहि ठामक माछ देश विदेश मे पहुंचए। बिहार इंडस्ट्रीज एसोसिएशन क सभागार मे ओयोजित कार्यक्रम मे केंद्रीय कृषि राज्य मंत्री कहला जे बिहार मे कृषि आधारित उद्योग क व्यापक संभावना अछि। केंद्र सरकार एहि ठाम मैंगो फूड पार्क स्थापित करबाक योजना सेहो बना रखने अछि। राज्य सरकार अगर मदद करत त अगिला साल तक इ दूनू योजना जमीन पर आबि सकैत अछि।
ओ कहला जे फूड प्रोसेसिंग मे निवेश कए बढाबा देबा लेल सितंबर मे फूड प्रोसेसिंग पर पटना मे एकटा राष्ट्रीय स्तर क कार्यशाला आयोजित कैल जाएत। एहि मे फूड प्रोसेसिंग स जुडल उद्यमी सब भाग लेताह। एहि मे राकांपा क प्रमुख शरद पवार आ बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो अपन विचार रखतथि। मकसद इ अछि जे बाहर क उद्यमी बिहार मे फूड प्रोसेसिंग यूनिट लगाबथि। एहि स बेरोजगारी सेहो दूर होएत।
अनवर कहला जे बिहार प्रगति क रहल अछि मुदा जतबा प्रगति हेबाक चाही से नहि भ पाबि रहल अछि। ओ कहला जे कृर्षि भूमि रहलाक बावजूद एखनो देश मे अनाज उत्पादन मे बिहार क आठम, तरकारी मे दोसर, फल मे छठम स्थान अछि। मुदा उत्पादन से गंभीर जे सवाल अछि ओ बिहार मे एकर रखरखाव क अभाव क अछि। कुल उत्पादनक 25 स 30 फीसद खाद्यान्न बर्बाद भ जाइत अछि। राज्क मे राइस मिल क आधुनिकीकरण आ मक्का प्रोसेसिंग यूनिट लगेबाक जरूरत अछि। देश क 30 फीसद लीची बिहार मे होइत अछि। रखरखाव नहि रहबा स अधिकांश लीची बर्बाद भ जाइत अछि। आम उत्पादन मे बिहार क देश मे चारिम स्थान अछि। विश्व क पांच फीसद आम बिहार मे होइत अछि। एहि लेल एहि ठाम केंद्र सरकार मैंगो फूड पार्क बनेबाक योजना बना रहल अछि। कोल्ड स्टोरेज चेन कए सेहो बढ़ावा देबाक कोशिश भ रहल अछि। भारत सरकार फूड प्रोसेसिंग यूनिट लगेबा लेल 50 फीसद क सब्सिडी द रहल अछि। उत्तर पूर्वी भारत लेल इ 75 फीसद अछि। अनवर कहला जे बिहार सरकार एखनो किसान कए सरकारी योजनाक जानकारी देबा मे विफल रहल अछि। बिजली क सेहो संकट एहि राज्य कए प्रगति मे बाधक अछि। एहि ठाम बाहरी निवेश ता धरि नहि होएत जा धरि एहि ठाम बिजली क समस्या रहत।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa