दरभंगा : इ कोनो सपना नहि, बल्कि सपना क साकार रूप अछि जे दरभंगा मे बनल हाइड्रोलिक जैक क पहिल आॅडर कोनो आन प्रदेश मे नहि, बल्कि कनाडा आ बांग्लादेश स भेटल अछि। दोनार औद्योगिक प्रांगण (डीएडा) मे ठाकुर इंजीनियरिंग वर्क्स क उद्घाटन क संगहि इ आॅडर कंपनी कए भेट गेल। ज्योतिषाचार्य उदयचंद्र झा क मंत्रोचार क बीच प्रोपराइटर सुनील कुमार ठाकुर इ सुखद समाद कहला। श्री ठाकुर भावुक स्वर मे कहला जे आइ हमर स्वर्गीय पिता क सपना पूरा भ गेल। बीस वर्ष पूर्व एकर अनुज्ञप्ति भेटल छल, मुदा आइ इ अहांक सामने अछि। ओ कहला जे एखन धरि दरभंगा मे केवल कृषि यंत्र कए बेचबाक काज कैल जाइत छल। आब दरभंगा मे एकर उत्पादन कैल जाएत। आब मिथिला क किसान कए सस्ता कृषि यंत्र लेल कोनो आन राज्य जेबाक मजबूरी नहि रहत। ओ कहला जे एहि यंत्र स संबंधित वेबसाईट सेहो बनाउल गेल अछि। साइट क फायदा सेहो देखा रहल अछि जे उदघाटन क संगहि कनाडा स 150 पीस हाईड्रो ट्रॉली आ बांग्लादेश स 50टा हाइड्रोलिक जैक क आर्डर प्राप्त भ चुकल अछि। एहि दूनू देश कए आर्डर दरभंगा लेल नहि बल्कि बिहार लेल सम्मानक गप अछि ताहि लेल हम सब ससमय माल निर्गत करबा लेल जी जान स काज शुरू क रहल छी। उम्मीद अछि एहि मास क अंत तक माल क आपूर्ति शुरू क देल जाएत। ओ कहला जे कंपनी देश मे ब्रिकी लेल डीलरशिप क आवंटन क रहल अछि। ओ कहला जे बिहार क आम किसान कए सस्ता कृषि यंत्र मुहैया करेबा लेल 2014 मे कंपनी अपन अलग स शो रूम खोलत। श्री ठाकुर कहला जे उत्पादन क्षमता बरकरार रखबा लेल कच्चा माल क कोनो दिक्कत नहि होएत, कंपनी पंजाब क रतन इंडस्ट्रीयल आ पाल इंडस्ट्रीयल कंपनी स समझौता केलक अछि। एहि अवसर पर मुख्य अतिथि संजीव सिंह कहला जे मिथिला क धरती पर कृषि यंत्र उत्पादन क संकल्प लेब अपना आप मे एकटा पैघ आ सौभाग्य क गप अछि। स्थानीय लोक कए रोजगार भेटबाक क संगहि आन उद्योगपति कए सेहो इ कंपनी प्रेरित करत।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa