• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

कना देलक ओकर आंगनक बारहमासा

December 29, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

नई दिल्‍ली। मलंगिया महोत्सव क तेसर दिन मैथिली क सर्वश्रेष्ट रंगदल “मीनाप ( मैथिली नाट्य परिषद्) इ साबित कारबा मे सफल रहल जे ओ मैथिली क सर्वश्रेष्ट नाट्य दल अछि। एहि मौका पर मैलोरंग क निर्देशक प्रकाश झा कहलैथि जे आय अद्भुत संयोग अछि जे एक संग एतेक संयोग भेल। आय दिल्ली क सबसे नीक प्रेक्षागृह मे, मैथिली क सबसे पैघ लोग ( महामहिम राष्ट्रपति, नेपाल ) क बीच, मैथिली क सबसे पैघ नाटककार क सबसे पैघ नाटक क मंचन मैथिली क सबसे सर्वश्रेष्ट नाट्यदल क द्वारा मंचित भए रहल अछि। सचमुच जबरदस्त रहल इ नाटक। प्रथम पांति स लए क अंतिम धरि सबके कना देलक एही नाटकक मंचन। एतेक नीक अभिनय, एतेक नीक मंच परिकल्पना, एतेक नीक प्रकाश आ ध्वनी, एतेक नीक संगीत आ एतेक नीक कलाकार पहिने कहियो नै देखल। दर्शकक थोपड़ी आ नोर रुकबाक नाम नै लए रहल छल।
ओकर आँगनक बारहमासा एकटा गरीब आ दलित परिवार क किस्सा अछि जेकर बारहोमास विपन्नता आ दरिद्रता मे कटैत अछि। ताहि पर जमिन्दारक कर्ज आ रोग कोना कए क तील-तील क मरबाक लेल बाध्य करय छैक, तकरे चरित्र चित्रण अछि “ओकर आंगनक बारहमासा”। इ नाटक गरीबक ओ समय क चित्रण करैत अछि जहिया दिन भरि काज केलाक बाद गरीब क तीन सेर धान भेटैत छल। मजदूरी सेहो सभ दिन नै भेटैत अछि ओहि स कपड़ा-लत्ता, दवाई-दारू आ घरक सामान किननाय मुश्किले नै असंभव अछि। ओहो पर जमींदार क कर्ज सुरसा क मुंह जोंका बढैत छल जे गरीब क आर गरीब कए दए अछि। एही तरह अपन गरीबीक मारि झेलैत लोक एही दुनिया स विदा भए जाएत अछि। मरतो काल हुनकर इक्षा होयत अछि जे ओ छौंकल दालि आ भात खेतिये मुदा हुनकर सपना राखले रहि जाएत अछि। मरला क बाद सेहो मुंह म मुखबत्ति लगा क कमला माय मे भसा दैल जाएत अछि कियाकि जमीन क अभाव आ कफ़न लेल कपडा नै भेटैत छल।

मल्लर बनल राम नारायण ठाकुर क अभिनय एतेक जीवंत छल जे लोक दांत तोर आंगुर दबा लेलक। हुनकर वृद्ध बला खोंखी दर्शक क चकित कए दैत छल। एहन बुझायत जेना सत्ते मे ओ टीवी क मरीज़ होए। ओतहि मल्लर क पुतौह आ बेटा क भूमिका म प्रियंका झा आ अनिल चन्द्र झा जबरदस्त अभिनय केलैथि। हुनकर जीवंतता एतेक की दर्शक क आंखि नोरा गेल। ज्ञात होए जे प्रियंका झा क अदम्य साहस आ हुनकर रंगमंच क कला क मादे मैलोरंग हिनका पूर्व मे प्रमिला झा नाट्यवृति स सम्मानित कए चुकल छैथ। बच्चा क रूप मे आलोक मिश्र दर्शक क मोन मे बैस गेल। हुनकर बाल सुलभ मुंह आ संवाद “माए बड़ जाड़ लागैत अछि” क परिपक्वता दर्शक अवाक कए देलक। ओतहि रविन्द्र झा आ कृष्णकांत मिश्र सेहो गज़ब क अभिनय केलैथि। अभिनय एकदम कसल आ सटीक छल जाही मे धीरज ठाकुर क कोरियोग्राफी एकरा मे चारि चान लगा देलक। दर्शक क हिंदी वा अंग्रेजी सिनेमा बला कोरिओयोग्रफि क आनंद भेटल एही नाटक मे। मल्लिक बंधू (प्रवेश मल्लिक आ रमेश मल्लिक) क संगीत आ ध्वनि समायोजन श्रोता क मंत्रमुग्ध केने रहल। अंत धरी हुनकर एक-एकटा तान दर्शक क बंधबाक काज करलक। दर्शक अंत धरि कुर्सी स चिपकल रहल आ एकटा अद्भुत मंचन कए गवाह बनल।
कुल मिला कए एकटा सुन्दर नाटक क एकटा अद्भुत मंचन छल “ओकर आंगनक बारहमासा”
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

मिथिला लेल हम मात्र पुत्र छी : रामबरन

Esamaad Epaper Website

ट्रांसमिशन लाइन आ रखरखाव लेल भेल समझौता

तारीख पर तारीख : कहिया आउत फैसला

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि