बोधगया (गया) । मगध विश्वविद्यालय परिसर मे इंटरनेशनल कन्वेंशन सेंटर निर्माण क सपना आब साकार होएत। सेंटर निर्माण क लेल राज्य सरकार आ राजभवन अपन मुहर लगा देलक अछि। कन्वेंशन सेंटर निर्माण क लेल आब ग्लोबल टेंडर क प्रक्रिया शुरू होएत। एकर संगहि मगध विश्वविद्यालय देश क पहिल एहन विश्वविद्यालय बनि गेल अछि जतए विदेशी पूंजी क निवेश होएत। पब्लिक-प्राइवेट पार्टनरशिप क आधार पर बनैवाला एहि कन्वेंशन सेंटर क कंसल्टेंट आईएलएफएस कए बनाउल गेल अछि। जेे सेंटर निर्माण क लेल ग्लोबल टेंडर आमंत्रित करत। विवि क विकास पदाधिकारी कान्तेश कुमार सिन्हा कहलथि जे कन्वेंशन सेंटर निर्माण क लेल परिसर स्थित विद्युत सब ग्रिड क समीप 25.2 एकड़ भूखंड तीस वर्ष क लीज पर उपलब्ध कराउल गेल अछि। एकर एवज मे विवि कए प्रथम चरण मे 5 करोड़ आ प्रतिवर्ष 83 लाख टका प्राप्त होएत। ओ कहला जे 2.5 सौ करोड़ क लागत स निर्मित कन्वेंशन सेंटर मे 1 हजार क्षमता क अत्याधुनिक सुविधायुक्त एक हाल, 5 सौ क्षमता क एकटा अन्य हाल, 6 बोर्ड कमरा, जाहि मे 240 व्यक्ति क रहबाक क्षमता, 2 सौ सामान्य कमरा, 1 सौ फाइव स्टार क सुविधावाला कमरा आ मार्केट काम्प्लेक्स होएत। ओ कहला जे हाल मे बहुआयामी अनुवाद वाला यंत्र क संग-संग अंतरराष्ट्रीय स्तर क सबटा सुविधा मौजूद रहत।