सस्ता वाहन पर कर बढल, महग वाहन पर कर मे बदलाव नहि
पटना । लगातार 9म बेर बजट पेश करि रहल उपमुख्यमंत्री सह वित्त मंत्री सुशील कुमार मोदी कमर्शियल वाहन चलेनिहारि महिला सब कए रोड-टैक्स माफ करबाक घोषणा केलथि अछि। ओ कहला जे महिला द्वारा कीनल गेल कमर्शियल वाहन, जेकरा ओ अपने चलेतथि त ओहि पर कोनो प्रकारक कर नहि लागत। उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला जे महिला कए कामर्शियल ड्राइविंग लाइसेंस देबाक व्यवस्था कैल जा रहल अछि। हुनका सब कए प्रशिक्षण सेहो देबाक व्यवस्था कैल जाएत। दोसर दिस श्री मोदी दोपहिया स लकए पैघ बस पर रोड़ टैक्स मे बढोतरी क देलथि अछि। एहि संबंध मे सफार्इ दैत मोदी कहला जे 1994 क बाद स पिछला 19 साल मे रोड-टैक्स मे कोनो बदलाव नहि भेल छल। एकरा ठीक करबा लेल एहि मे किछु बढोतरी कैल गेल अछि। प्रदेश मे बिजली, सड़क, पाइन सन आधारभूत संरचना निर्माण मे एहि स मदद भेटत। एहि वृद्धि स प्रति वर्ष 25-50 करोड़ क अतिरिक्त राजस्व प्राप्ति क उम्मीद अछि।
ओ कहला जे ट्रैक्टर पर मूल्य क 2 प्रतिशत कर लागत । पहिने एक फीसद कर लगैत छल। कृषि कार्य मे उपयोग भ रहल ट्रैक्टर पर एखनो कोनो कर नहि लागत। एहिना ट्रेलर पर 10,000 टका आजीवन कर लागत । पहिने नहि लगैत छल। मोटरसाइकिल प सेहो 6 फीसद क जगह 7 प्रतिशत कर लागत । चारि लाख तक क वाहन पर सेहो 6 फीसद क जगह पर 7 प्रतिशत कर लागत। मुदा चारि लाख स बेसी क वाहन पर कोनो प्रकारक कर मे बदलाव नहि कैल गेल अछि ओ पहिने जेकां 7 प्रतिशत लागत। आटो-रिक्शा पर आब एकमुश्त 9,000 टका लागत, पहिने 10 साल लेल 6,000 आ दोसर पांच साल लेल 6,000 लगैत छल। टेम्पो पर सेहो आब एकमुश्त 13,500 लागत। पहिने दस साल लेल 9,000 आ अगिला पांच साल लेल 9,000 लगैत छल। एहिना टैक्सी क चारि सीट तक लेल सालाना 2128 टका। पांच सीट लेल 2216 टका वार्षिक । बस लेल 13 स 26 सीट – प्रति सीट 500 टका । 27-32- 550 टका प्रति सीट आ 33 आ ओहि स बेसी सीट लेल 650 टका प्रति सीट लागत । वोल्वो, मर्सिडीज आ समतुल्य लक्जरी बस क 53 सीट पर प्रति सीट 1,000 टका लागत । मोदी कहला जे आब घर बैसल टैक्स टोकन निकालल जा सकैत अछि। ओ कहला जे ई-पेमेंट क माध्यम स रोड-टैक्स जाम करनिहार कए घर बैसल प्रिंट-आउट भेट सकत। इ प्रिंट आउट टैक्स टोकन क रूप मे काज करत। एखन इ सुविधा छहटा प्रमंडल मे उपलब्ध अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर