पटना : कमला-गंगा इंटरसिटी समेत तीनटा परंपरागत ट्रेन क स्थान पर रेलवे डीएमयू गाडी चलेबाक फैसला केलक अछि। पटना-गया पैसेंजर और राजगीर-दानापुर इंटरसिटी बाकी दूटा परंपरागत पैसेंजर ट्रेन अछि जेकरा पूर्व मध्य रेल अंतिम विदाई देबाक निर्णय लेलक अछि। नवका फैसलाक अनुसार आब यात्री 100-150 किलोमीटर तक क रेल यात्रा डीएमयू (डीजल मल्टिपल यूनिट) आ इएमयू (इलेक्ट्रिक मल्टिपल यूनिट) ट्रेन स क सकताह। पूर्व मध्य रेल क महाप्रबंधक मधुरेश कुमार एमयू ट्रेन क संख्या मे वृद्धि क घोषणा करैत कहला जे अगिला एक साल मे परंपरागत कोच (कन्वेंशनल) कए हटा कए डेमू-मेमू ट्रेन चलाउल जाएत।
ओ कहला जे परंपरागत पैसेंजर ट्रेन मे बैसबा लेल सीट होइत अछि जखन कि ठार रहबा लेल बेसी जगह नहि होइत अछि। सब डिब्बा अलग अलग होइत अछि, ओतहि डेमू-मेमू ट्रेन मे एकटा बोगी मे प्रवेश क अन्य बोगी मे गेल जा सकैत अछि। बोगी क प्रवेश द्वार सेहो परंपरागत ट्रेन स पैघ होइत अछि। सामान्य तौर पर एकरा लोकल ट्रेन कहल जाइत अछि। किया त 100 स 150 किलोमीटर क बीच एहि तरह क ट्रेन क परिचालन होइत अछि। एहि मे एकटा इंजन आगू आ एकटा पाछु होइत अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa