पटना। बिहार सरकार डीएम क अधिकार मे किछु कटौती करबाक फैसला लेलक अछि। विकास योजना क लेल आवंटन क अधिकार आब जिलाधिकारी क बजाय सब जिला मे इंजीनियरिंग सेल क जिम्मा रहत, जेकर गठन जल्द कैल जाएत।
पटना मे जिलाधिकारीक संग आयोजित बैठक मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार इ फैसला सुनेलथि। बैठक क बाद राज्य मंत्रिमंडल सचिवालय क सचिव अफजल अमानुल्लाह कहला जे बैठक मे सब जिला मे इंजीनियरिंग सेल खोलबाक फैसला लेल गेल अछि। एहि सेल क लग मे विकास योजना क आवंटन आ चयन क अधिकार रहत।
ओ कहला जे डीएम सबटा योजना क निगरानी करताह। नव गठित सेल ओहि विभाग क अधीन काज करत, जाहि मे इंजीनियर क टीम होएत।
एहि स पूर्व मुख्यमंत्री सबटा प्रमंडलीय आयुक्त आ जिलाधिकारी क संग राज्य मे चलि रहल विकास योजना आ कानून व्यवस्था सहित तमाम मुद्दा क समीक्षा केलथि। बैठक मे राज्य क मुख्य सचिव सहित तमाम वरिष्ठ अधिकारी मौजूद छलाह। विधायक फंड खत्म भेलाक बाद जिलाधिकारी सब पर जिलाक विकास क चिंता कए ल कए सवाल उठैत रहल अछि, एकरा देखैत इ फैसला लेल गेल अछि।