• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

कांटी थर्मल पावर स बिजली उत्पादन शुरू

July 26, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

अगस्त मे बाढ़ जुडत ग्रीड स, मार्च 14 स देत बरौनी बिजली
पटना । उत्तर बिहार आ खास क मिथिला क्षेत्र लेल सुखद समाद। विद्युत कंपनी आ एनटीपीसी क संयुक्त उपक्रम कांटी बिजली उत्पादन निगम लिमिटेड क 110 मेगावाट क इकाई स बुधदिन 60 मेगावाट बिजली क उत्पादन भेल। एक सप्ताह मे एहि ठाम स 90 स 100 मेगावाट बिजली उत्पादन हुए लागत। कांटी थर्मल पावर क दोसर 110 मेगावाट क इकाई स दिसंबर तक उत्पादन शुरू हेबाक संभावना अछि। कांटी बिजली उत्पादन निगम मे 390 मेगावाट (1952) क इकाई लगेबाक प्रक्रिया शुरू भ गेल अछि आ 500 मेगावाट क एकटा इकाई लगेबाक प्रस्ताव पर काज चलि रहल अछि। उत्पादन खर्च मे वृद्धि भेलाक कारण स कांटी स 2003 मे बिजली उत्पादन बंद क देल गेल छल। फेर जनवरी 2008 मे एकटा इकाई स उत्पादन शुरू भेल आ नवंबर 2011 मे जीर्णोद्धार क नाम पर बंद क देल गेल। एक वर्ष विलंब स बिजली उत्पादन शुरू कैल गेल अछि। एनटीपीसी क बाढ़ थर्मल पावर क इकाई संख्या चार स दिसंबर 2013 तक बिजली उत्पादन शुरू भ जाएत। 660 मेगावाट क एहि इकाई मे बिहार क हिस्सेदारी 50 प्रतिशत अछि। ओकर छह मास बाद दोसर इकाई स उत्पादन शुरू होएत। बाढ़ थर्मल पावर अगस्त माह क अंत तक ग्रिड स जुड़ल जाएत। कमर्शियल उत्पादन दिसंबर स होएत। अगस्त क बाद एहि ठाम स बिजली उत्पादन क शुरूआत भ जाएत। बरौनी थर्मल पावर 220 मेगावाट 2014 क मध्य तक उत्पादन शुरू क देत। एहि ठाम 500 मेगावाट (2502) क नव इकाई लगेबाक प्रक्रिया चलि रहल अछि। जापान सेहो एहि ठाम 250 मेगावाट क एकटा इकाई लगेबा लेल तैयार अछि। 2014 क मध्य स 1010 मेगावाट बिजली मार्केट स भेटत। एहि संबंध मे समझौता भ चुकल अछि। केन्द्रीय सेक्टर मे बिहार क हिस्सेदारी 2034 मेगावाट भ गेल अछि। राज्य सरकार क प्रयास अछि जे 2015 तक कम स कम चारि हजार मेगावाट बिजली राज्य मे आपूर्ति हो। चौसा मे सतजल जल निगम 1320 मेगावाट क उत्पादन केन्द्र लगा रहल अछि। पीरपैती आ कजरा मे बिजली उत्पादन केन्द्र लगेबा लेल एजेंसी तय करबाक प्रक्रिया चलि रहल अछि। एकर संगहि नवीनगर मे बिजली उत्पादन केन्द्र लगेबाक काज चलि रहल अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

नवयुवा 1789 करोड़ मे बनाउत पटना क गंगा ड्राइव-वे

Esamaad Epaper Website

15 सितंबर स शुरू होएत भागलपुर स हवाई सेवा

पतिक दीर्घजीवनक मंगलकामना करवाक सब सँ विशिष्‍ट पर्व अछि मधुश्रावणी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि