दीवार गंदा करबा पर होएत एफआइआर, प्रशासन उठेलक सराहनीय डेग
दरभंगा रॉक्स सन किछु संगठन करैत रहल छल एहन मांग
प्रचार लेल जगह भेल तय, बाकी परिसर बनल प्रतिबंधित क्षेत्र
दरभंगा । ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय प्रशासन कामेश्व्रनगर क दीवार पर स्लोगन लिखबा आ पोस्टर सटबा पर प्रतिबंध लगा देलक अछि। एक फरवरी क बाद धरोहर कए गंदा करनिहार एक जेल पठाउल जाएत, ओकरा पर विवि प्रशासन प्राथमिकी दर्ज कराउत। उल्लेखनीय अछि जे दरभंगा रॉक्स सन किछु छात्र संगठन दरभंगा क धरोहर कए सुंदर बना कए रखबा लेल एहन प्रतिबंधन क मांग बहुत दिन स करैत आबि रहल छल। मांग क आलोक मे कुलपति साकेत कुशवाहा पदाधिकारी सब संग बैसार केलाक बाद तय केलथि अछि जे कामेश्वसर नगर क पूरा परिसर कए धरोहर मानि एकरा गंदा करनिहार पर प्राथमिकी दर्ज कराउल जाये। कुलपति कार्यालय प्रकोष्ठ मे पत्रकार स गप करैत कुलपति डॉ साकेत कुशवाहा एहि संबंध मे जानकारी दैत कहला जे विवि सबहक सामूहिक संपत्ति छी, एहन मे सबकए अपन जवाबदेही तय करै पडत। ओ परिसर कए साफ सुथरा आ सुंदर बनेबा लेल छात्र संगठन, शिक्षक, कर्मी, छात्र-छात्र सहित आम लोक स सेहो सहयोग क अपील केलथि। ओ कहला जे एहन नहि जे छात्र संगठन या अन्य संगठन कए अपन गप कहबा स रोकबा लेल इ प्रयास कैल जा अछि। धरनास्थेल जेका परिसर मे किछु स्थयल कए एहि काज लेल चिह्न्ति कैल जा रहल अछि, जतए विभिन्न संगठन अपन अपन प्रचार-प्रसार क सकताह। मुदा पूरा परिसर कए एहि लेल बर्बाद नहि करै देब। ओ कहला जे हुनकर इच्छाा छल जे परिसर कए सुंदर रखबा मे सब सहयोग दथि, एहि लेल ओ बेर-बेर निवेदन केलथि जे परिसर धरोहर जेकां अछि एकरा गंदा नहि कैल जाये, मुदा इ सिलसिला नहि रुकल, एहन मे मजबूरन विवि प्रशासन कए प्रतिबंध लगा दंडात्मिक कार्रवाई लेल बाध्यल हुए पडल अछि। ओ कहला जे छात्र संगठन विवि परिवार क हिस्सा होइत अछि। एहन मे एक दिस छात्र परिसर कए बचेबा लेल गुहार क रहल अछि त दोसर दिस छात्र संगठन परिसर कए गंदा करबा स रोकबा मे प्रशासन कए मदद नहि क रहल अछि। परिसर क सौंदर्यीकरण मे सब कए विवि क सहयोग करबाक चाही। ओ दरभंगाक आम लोक स सेहो एहि मुहिम मे विवि प्रशासन क मदद क गुहार केलथि आ कहलथि जे पोस्टहर सटनिहार आ स्लो गन लिखनिहार कए बुझेबा लेल आम लोक कए सामने एबाक चाही। ओ कहला जे परिसर एतबा सुंदर अछि जे एकरा देखबा लेल दूर दूर स लोक अबैत अछि, मुदा सर्वोच्च न्यायालय आ निर्वाचन आयोग क स्पष्ट निर्देश क बावजूद दीवार कए गंदा करबा मे किछु संगठन कए लाज नहि होइत अछि। ओ कहला जे दीवार क सफाई करेबाक काज जारी अछि आ एहि काज मे विवि कए लाख स ऊपर टका खर्च भ चुकल अछि। विवि लग आंतरिक स्त्रोत एतबा नहि अछि जे सब मास एहन सफाई कैल जा सकए। ओ कहला जे परिसर मे लागल मारवल पर कई ठाम छात्र संगठन स्लोगन लिखबा लेल आयल पेंट क प्रयोग त केने अछि, जे पुताई क बाद सेहो नहि झपा रहल अछि। ओ फरवरी माह मे नैक क प्रस्तावित निरीक्षण क जिक्र करैत कहला जे निरीक्षण स पूर्व विवि मे सफाई आ सौंदर्यीकरण क वृहत्त योजना पर काज चलि रहल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa