• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

कामेश्‍वर नगर कए नष्‍ट करबा मे लागल अछि मिथिला विश्‍वविद्यालय प्रशासन

March 3, 2012
in संपादकीय, समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

आशीष झा
एक दिस बिहारक विभिन्‍न शहर कए सजाउल जा रहल अछि त दोसर दिस ललित नारायण मिथिला विश्‍वविद्यालय प्रशासन दरभंगाक मुख्‍य आकर्षण राज परिसर कए विकृत करबा लेल आतुर अछि। पढाई लिखाई त एहि विश्‍वविद्यालय कए सर्वविदित अछि आ एकर धरोहरक प्रति नजरिया सेहो विख्‍यात भ रहल अछि। पढाई स बेसी राजनीति मे समय देनिहार एहि विश्‍वविद्यालयक शिक्षक आ पदाधिकारी लागि रहल अछि जेना किरिया खा लेने अछि जे राज परिसर कए नस्‍तनामूद करि कए दम लेब। विश्‍वविद्यालय क कुलपति एहि काज लेल तत्‍पर लागि रहल छथि। पिछला मास ओ नरगौना महल क ठीक सामनेवाला पार्क में पदाधिकारी सब लेल आवास निर्माण शुरू करा देलथि। एहि ठाम आवास बनला स महल झंपा जाएत। दोसर जे धरोहर घोषित भ चुकल आनंदबाग पैलेस कए सेहो एहि निर्माण स पर्यावरण संबंधी दिक्‍कत होएत। एहि सब कए नजरअंदाज करैत एहि फागुन मास मे भांग पी विवि प्रशासन लगातार परिसर संग बलात्‍कार करबा मे लागल अछि। प्रशासन क ताजा फैसला सेहो कम चौकेबा योग्‍य नहि अछि। विवि प्रशासन आब मनोकामना मंदिर क सामने पार्क वाला जगह पर भवन बनेबाक फैसला ल लेलक अछि। विवि प्रशासन पहिने धरोहर कए खंडहर बना चुकल अछि आब परिसर कए सेहो बदरंग बनेबा मे जुटि गेल अछि। कमाल इ अछि जे इ सब काज कोनो नेता या मूर्ख लोक नहि क रहल अछि, बल्कि अपना कए पढल लिखल विद्वान कहनिहार लोकक छी। इ सब बीमार परिसर कए मौत क मुंह मे देबा लेल अपना कए चिकित्‍सक कहनिहार कुलपति संग बैसार करि इ निर्णय लेलथि अछि। एहि संबंध मे विवि प्रशासन क कहब अछि जे यूजीसी स प्राप्त राशि खर्च करबाक अछि ताहि लेल आडिटोरियम क निर्माण जरूरी छल। एहि आडिटोरियम मे पांच सौ लोकक एक संग बैसबाक सुविधा होएत। एकरा लेल विवि परिसर मे मनोकामना मंदिर क दक्षिणी खाली जगह कए चयन कैल गेल अछि। प्रशासनक दावा अछि जे नौ मास क भीतर एकर निर्माण कार्य करि लेल जाएत। कुलानुशासक सह प्रभारी कुलसचिव डॉ. टीएन झा कहला अछि जे आडिटोरियम निर्माण क आवश्यकता बहुत दिन स छल आ आब इ समस्‍या खत्‍म भ जाएत, मुदा ओ एहि पर किछु नहि कहला जे परिसर आ पर्यावरण कए एहि प्रकारक बेतरकीब निर्माण स कोना नहि क्षति होएत। कुलपति डॉ. एसपी सिंह क अध्यक्षता मे भेल एहि बैसार मे रसायन विभागाध्यक्ष शशिरंजन कुमार, आईएन मिश्र, विकास पदाधिकारी डॉ. धु्रव कुमार, वित्तीय परामर्शी सीआर दिगवाल, वित्त पदाधिकारी अशोक कुमार कर्ण, अभियंता एनएल झा मौजूद छलाह, मुदा कियो परिसर क हित लेल नहि सोचलक सबहक ध्‍यान यूजीसीक टका आ अपना लेल बनि रहल भवन आ आवास पर केंद्रित रहल।

Tags: Bihardarbhangalalitlnmumithila

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

भ्रष्‍टाचार क रफ़्तार आ लालू

Esamaad Epaper Website

पटना मे एसी बस क परिचालन शुरू

Esamaad Epaper Website

मारीशस खोलत मैरवा मे मेडिकल कालेज

Comments 1

  1. Raman Dutt Jha says:
    13 years ago

    Mithila University ke 60 acre bhumi ya t kiraya per achi ya faltu paral achi jena Raj astwal ke vishal prangan,Purna Bus stand ke birhat prangan,Madheswar or motimahalke bich me awasthit bhubhag,sotiline ke bagal me jahi me Bhara per Navoday vidyalay chal,etc eker babjud ek sunder, manoram parishar ke barbad karwak kutark d rahal achi university.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि