दरभंगा। संविधानसभा क सदस्य, दरभंगा स राज्यसभा मे पहिल प्रतिनिधि आ उद्योगपति डा कामेश्वर सिंह क 106म जयंती क तैयारी शुरू भ गेल अछि। दरभंगा मे एहि अवसर पर 28 नवंबर कए कईटा कार्यक्रम क आयोजन कैल जाएत, मुदा राज दरभंगा अपन महाराज कए, जिला प्रशासन संविधानसभा क सदस्य कए आ दरभंगा चैंबर आफ कामर्स बिहार क सबस पैघ उद्योगपति कए जयंती पर कोनो कार्यक्रम बा शिविर क आयोजन नहि करत। संस्कृत विश्वविद्यालय सब सालक भांति एहि साल सेहो डा सिंह क समाधि पर स्थापित श्यामा काली क विशेष पूजा लेल सामग्री दैत। एहि अवसर पर एहि साल सेहो मुख्य कार्यक्रम महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह कल्याणी फाउंडेशन आयोजित करत, जाहि में देश क जानल-मानल विद्वान जुटताह। फाउंडेशनक कार्यक्रम क जानकारी दैत प्रबंध न्यासी प्रो. हेतुकर झा कहला जे डा सिंह क जयंती मनेबाक प्रथा फाउंडेशन शुरू केलक आ आब किछु लोक आओर एहि काज मे जुटलाह अछि। ओ दरभंगा आ बिहार मे डा सिंह क उपेक्षा पर निराशा व्यक्त करैत कहला जे इ दुखद अछि। ओ डा सिंह क 106म जयंती क सिलसिला मे भ रहल तैयारी क जानकारी दैत कहला जे एहि बेर पूणे विवि क निदेशक डॉ. वीएन झा, प्रसिद्ध वैज्ञानिक मानस बिहारी वर्मा आ बिहार क पूर्व पुलिस महानिदेशक डीएन गौतम अपन शैक्षिक प्रशासनिक आ सामाजिक अनुभव स मिथिला क लोक कए अवगत करौताह।
कामेश्वर सिंह बिहार हरिटेज सिरीज क तहत भ रहल एहि वार्षिक व्याख्यानमाला स बिहार पर काज करनिहार कए बड लाभ भेटत। प्रो. झा कहला जे इ बिहार क विडंबना अछि जे एकर सामाजिक, आर्थिक आ सांस्कृतिक पक्ष क व्याख्या करैत काल बिहार क कोनो अभिलेख नहि भेटैत अछि। लेखक आ शोधकर्ता कए पश्चिम बंगाल क अभिलेख कए उल्लेखित करब मजबूरी होइत अछि। कामेश्वर सिंह व्याख्यानमाला कए प्रत्येक वर्ष सहेज क एकरा पुस्तक क रूप मे फाउंडेशन प्रस्तुत करैत अछि। प्रो. झा कहला जे एहि क्रम मे एहि बेर श्याम नारायण सिन्हा क पुस्तक हिस्ट्री ऑफ तिरहुत क लोकार्पण कैल जाएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna