• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

केंद्र क उपेक्षा-2 : सिंगल लेन क एनएच सबस बेसी बिहार मे

September 13, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना । मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमार राज्‍य मे पहिल छह लेन क पुलक शिलान्‍यास केलथि अछि, मुदा राज्य मे छह लेन क नेशनल हाइवे एखनो सपना अछि। बिहार मे एनएच क्षेत्र आ वाहनक मुकाबले काफी कम अछि। अगर राज्‍य मे किछु सडक कए इ दर्जा देल गेल अछि त ओहि मे बेसीतर सिंगल लेन नेशनल हाइवे अछि। आंकडा पर गौर करि त पूरा देश मे सबस बेसी सिंगल लेन नेशनल हाइवे बिहार क हिस्‍सा मे अछि। दोसर राज्‍य मे जतए केंद्र सरकार चारि आ छह लेन वाला नेशनल हाइवे क निर्माण क चुकल अछि ओतहि बिहार एखनो 839 किलोमीटर सिंगल लेन एनएच हैं। केंद्र क उपेक्षा क परिणाम अछि जे देश कए जीटी रोड देनिहार बिहार सिंगल लेन नेशनल हाइवे क मामला मे देश क नंबर-वन राज्‍य अछि। बिहार सरकार राज्‍यक 2690 किलोमीटर स्टेट हाइवे आ जिला सड़क कए एनएच मे बदलबाक सिफारिश क चुकल अछि, मुदा केंद्र सात साल मे महज 515 किलोमीटर स्टेट हाइवे आ वृहद जिला सड़क कए नेशनल हाइवे मे बदलबाक स्वीकृति देलक अछि। आंकडा इ सेहो बता रहल अछि जे सिंगल लेन नेशनल हाइवे मिथिला मे सर्वाधिक अछि। सिंगल लेन नेशनल हाइवे पर रोजना 52 स 59 हजार वाहन चलैत अछि। सिंगल लेन हेबाक कारण एहि सड़क पर भारी जाम लगैत अछि।
सिंगल लेन एनएच कए दू आर चारि-लेन मे बदलबाक प्रस्ताव केंद्रीय राजमार्ग मंत्रालय मे धूल फांकि रहल अछि। सिंगल लेन एनएच अगर दू या चारि-लेन मे बदलि जाए त आइ बिहार कम स कम सडक क मामला मे देश मे सबस पाछु नहि ढार भेटत। ओना कहबा लेल केंद्र सरकार बिहार क नौटा जिला क लोक कए नेशनल हाइवे पर चलबाक सपना अगिला द साल मे पूरा क देत, मुदा एहि नौ जिला क लोक कए एनएच पर चलबा लेल जेब सेहो ढील करै पडत। किया त केंद्र सरकार बिहार मे नव निर्मित नेशनल हाइवे पर वाहन चलेबा लेल टॉल टैक्स लेत। नौ जिला मे नेशनल हाइवे क निर्माण बीओटी सिस्टम स भ रहल अछि। एहि तरहक सिस्टम क तहत बनल सड़क पर चलबा लेल टॉल टैक्स क प्रावधान होइत अछि। एहन प्रावधान सबटा नव निर्मित नेशनल हाइवे पर लागू नहि होइत अछि। कारण अछि जे बिहार क 1015 किलो मीटर नेशनल हाइवे क निर्माण फेज-3 क तहत कराउल जा रहल अछि। एहि नेशनल हाइवे क निर्माण स हाजीपुर-मुजफ्फरपुर-छपरा, बक्सर-पटना, बक्सर- बख्तियारपुर, मोकामा – मुंगेर- खगड़िया क सफर आसान भ जाएत। इ सडक 2014 तक पूरा करबाक लक्ष्य अछि।
राज्‍य सरकारक आरोप रहल अछि जे नेशनल हाइवे क मामले मे असहयोग बिहार क तेज विकास क राह मे रोड़ा बनि गेल अछि। केंद्र अगर बिहार क अनदेखी नहि करए, त बिहार नेशनल हाइवे क मामला मे सेहो विकसित राज्‍यक बराबरी क सकैत अछि। पथ निर्माण विभागक एकटा अधिकारीक कहब अछि जे केंद्र उपेक्षा क एहि स पैघ उदाहरण की भ सकैत अछि जे नौ जिला मे नेशनल हाइवे क निर्माण क योजना 2006 मे बनल छल, मुदा केंद्र क उदासीनता क कारण एकर निर्माण रुकल रहल। तमाम प्रक्रिया पूरा भेलाक बाद 2010-11 स नौटा नेशनल हाइवे क निर्माण शुरू भ सकल अछि।
नेशनल हाइवे क रखरखाव मामला मे सेहो केंद्र बिहार संग दोहरा मापदंड रखैत रहल अछि। एनएच क मरम्‍मत क जिम्मा राज्‍य सरकार क होइत अछि। एकरा लेल केंद्र राशि दैत अछि। मुदा बिहार कए राशि देबा मे सेहो केंद्र आनाकानी करैत रहल अछि। केंद्र क उदारता त बिहार लेल कहियो नहि देखायल। पिछला छह साल मे देखी त पथ निर्माण विभाग केंद्र स 438 नेशनल हाइवे क मरम्मत लेल 3337. 05 करोड़ मांगलक। केंद्र महज 180 एनएच क मरम्मत लेल 1082. 79 करोड़ टका देलक अछि। एहन मे बिहार सरकार 969. 75 करोड़ अपन मद स खर्च केलक। इ राशि केंद्र सरकार कहिया देत पता नहि। एहन मे अगर आइ बिहार मे सडकक स्थिति चलबा योग्‍य अछि त बुझल जा सकैत अछि जे एहि लेल केकर प्रयास अछि। जाहि टका स राज्‍य सरकार राज्‍य मे आन विकासक काज क सकैत छल ओ टका सडकक मरम्‍मत मे खर्च भ रहल अछि। कुल मिला कए घाटा राज्‍यक जनता कए भ रहल अछि, विकास बिहार क ठहरि रहल अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

अलीनगर मे साकार भ रहल अछि विकासक सपना

Esamaad Epaper Website

केंद्र क उपेक्षा-3 : जल प्रबंधन मे बिहार क हाथ बांधि रखने अछि केंद्र

Esamaad Epaper Website

चीनी आ कागज उद्योग मे निवेश करत वेदांता

Comments 1

  1. Prakash Kumar Jha says:
    13 years ago

    National Highway No.105 je Darbhanga ke Jaynagar sa jorait achhi seho ekhan dhari single road achhi.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि