• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

केंद्र-राज्य मे झगडा आ रामविलास शर्मा क जिद

April 2, 2015
in विचार, समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

भैरव लाल दास

पटना । आइ-काल्हि बिहार मे ‘पुल’ क बहुत चर्चा अछि । दीघा पुल, बिदुपुर पुल क बीच मे महात्‍मा गांधी सेतु क चर्चा सेहो खूब भ रहल अछि । गैमन इंडिया द्वारा एहि पुल कए बनाउल गेल छल आ 1982 मे निर्माण पूर्ण भेला स पूर्वहि एकर उद्घाटन भेल । एहि कारण स इ पुल अपन जन्‍म क समय स ल कए आइ धरि कहियो पूर्ण स्‍वस्‍थ नहि रहल । एकर भाग्‍य मे रोग जन्‍म स जुडल रहल आ जेना जेना दबाई भेल तेना तेना बीमारी बढैत गेल। आइ इ पुल मरनासन्‍न अछि। देखल जाय त एहि पुल कए जन्‍म क इतिहास सेहो काफी रोचक अछि। आम तौर पर लोक राज्‍य सभा आ विधान परिषद् क उपयोगिता पर हरदम प्रश्‍न चिह्न लगबैत रहैत छथि, मुदा अपन कालखंड मे एशिया क सबस पैघ पुलक प्रस्‍ताव बिहार विधान परिषद मे पहिल बेर आयल।  विधान परिषद् क एकटा सदस्‍य छलाह रामविलास शर्मा। धुन क एहन पक्‍का जे कहल नहि जाये। ओ एतिहासिक दिन छल जाहिया हुनकर माध्‍यम स पेश गैर सरकारी प्रस्‍ताव क बाद एहि पुल क चर्चा आरंभ भेल। विधानसभा एहि चर्चा स अनभिग्‍य छल। ओहि समय मे राज्‍य मे एतबा टका नहि छल आ केंद्र सरकार कए सेहो एहन पैघ काज करबा लेल टका क व्‍यवस्‍था देखए पडैत छल। राम विलास शर्मा पुल निर्माण क ‘समन्‍वयक’ बनाउल गेलाह आ ओ अपन भूमिका बखूबी निभा गेलाह। बिहार मे आधारभूत संरचना निर्माण क इतिहास क इ सबस रोचक पन्‍ना कहल जाइत अछि। श्री शर्मा कए जखन बिहार सरकार साफ तौर पर कहि देलक जे टका क अभाव मे ओ एहि महासेतुक निर्माण नहि करा सकैत अछि आ भारत सरकार सेहो अपन हाथ ठार क देलक अछि त श्री शर्मा तत्‍कालीन प्रधानमंत्री इंदिरा गांधी क दरबार मे जेबा लेल रेल टिकट कटा लेलथि। ओ दिल्‍ली पहुंच इंदिरा दरबार मे जेबा लेल हुनकर पी.ए. स समय मंगलथि।  एहि स पूर्व सेहो ओ इंदिरा गांधी स एहि पुल पर वार्ता क चुकल छलाह, मुदा इ भेंट एतिहासिक छल। कारण छल शर्मा जी आहि दिन इंदिरा गांधी स भेंट करबा लेल पहुंचलाह जहिया देश मे ओ इमरजेंसी क घोषणा करबा लेल तैयार भ रहल छलीह। पूरा दरबार तनाव मे छल आ एहि बीच शर्माजी- मैडम स भेंट करबा लेल पहुंच गेलाह। दरबारी सब कए शर्मा जी क मसला सुनि जेना सांप सूंघ गेल छल। थोडे काल त एहि उहापोह मे बीतल जे के जायत मैडम स इ कहबा लेल? शर्माजी कए स्थिति क जानकारी देल गेल, मुदा  शर्माजी कए आपातकाल स कोन मतलब हुनका त गंगा पर पुल बेसी जरुरी बुझाइत छल। हुनका बिहार मे पुल चाहैत छल, बाकी स कोनो मतलब नहि। अंत मे अधिकारी हुनका मैडम तक जेबाक अनुमति द देलक। शर्माजी आपातकाल लगबा स ठीक पहिने इंदिरा क दरबार मे मसला ल पहुंच गेलाह आ हुनका स एकर बाधा दूर करबाक अनुरोध केलथि। इंदिरा गांधी सेहो श्री शर्मा एहि संकल्‍प स बहुत प्रभावित भेलीह। इंदिरा स भेंट क जखन ओ बाहर एलाह त हुनकर चेहरा देखि दरबारी सब भौंचक छल। हुनकर चेहरा खुशी स मुस्‍की मारि रहल छल। पूछला पर कहलथि जे मैडम  केवल टकाक प्रबंधन करबाक आश्‍वासन नहि देलथि अछि,बल्कि स्‍वयं वित्त सचिव कए फोन क टकाक व्‍यवस्‍था तत्‍काल करबा लेल कहि देलथि अछि। एहि भेंटक बाद पुल निर्माण मे राशि बाधा फेर कहियो उत्‍पन्‍न नहि भेल। पुल चालू भेल आ पैघ-पैघ नाम एकर निर्माण स जुडि गेल, मुदा एक व्‍यक्ति एकटा राज्‍य कए बहुत किछु द सकैत अछि, इ शर्माजी क गांधी सेतु प्रकरण स बुझल आ सीखल जा सकैत अछि। यदि व्‍यक्ति ठान लेलक, यदि व्‍यक्ति मे जुनून हो त समाज कए किछु देबा लेल नहि त ओकरा कुर्सी चाही आ नहि दौलत। दुख होइत अछि जे आइ जखन केन्‍द्र सरकार आ राज्‍य सरकार एहि पुल क पाया तक दुरुस्‍त नहि करवा पाबि रहल अछि, त एतबा पाया कए ठार करबाक जिद रखनिहार शर्मा जी सन व्‍यक्ति आइ कतहु ठार नहि छथि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

2019 तक शुरु भ जाएत बरौनी फर्टिलाइजर मे उत्पादन

Esamaad Epaper Website

बेर कालक गीतक संरक्षण क एकटा प्रयास

Esamaad Epaper Website

दरभंगा मे खुलल उत्तर भारत क पहिल थैलेसिमिया लैब

Comments 1

  1. Kamal Nath Thakur says:
    10 years ago

    राम विलास शर्मा जी के जीवनी के विषय में विसत्रित जानकारी दीय.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि