• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

कोसी क्षेत्रक इंफ्रास्ट्रक्चर पर खर्च होएत लगभग 400 करोड़ : नरेंद्र

June 1, 2012
in समाचार, साक्षात्‍कार
A A

कोसी अंचलक उपेक्षा पर ओहि ठामक जनप्रतिनिधि किछु बजबा लेल तैयार नहि छथि। हुनका लग कोनो सवालक उत्‍तर नहि अछि। ओ इ बतेबा मे असमर्थ छथि जे आखिर एहि अंचल मे सबसे बाद मे विश्वविद्यालय किया खुलल। सबस बाद मे मेडिकल कॉलेज किया खुलल, खुलल सेहो निजी क्षेत्र स, सरकारी नहि। इंजीनियरिंग कॉलेज एखनो सपने अछि। देश मे आब कतहु छोटी रेल-लाइन नहि भेटत, मुदा एहि इलाका मे सबस बेसी इ पटरी मौजूद अछि। सब इलाका मे रेलवे क विद्युतीकरण भ गेल मुदा कोसी मे एखन धरि नहि शुरू भेल। उद्योग-धंधा लगबाक त चर्चा करब बेकार अछि। किछु एहने सवाल ल कए पत्रकार रंजीत पिछला मास बिहार क कानून मंत्री नरेंद्र नारायण यादव स गपशप केलथि। ओ ग्रास रूट क राजनीति स बिहार विधानसभा आओर कैबिनेट तक पहुंचलाह अछि। प्रस्‍तुत अछि पूरा साक्षात्‍कारक किछु खास अंश।

सवाल- पिछला किछु साल स बिहार क विभिन्न सरकार कोसी क संग भेदभाव केलक अछि, जखनकि एहि इलाका स कईटा पैघ राजनेता उभरलाह अछि। फेर कोसी क एहन उपेक्षा किया?

नरेंद्र ना यादव – नहि, हमरा नहि लगैत अछि जे कोसी क संग उपेक्षा भेल अछि। हमर सरकार कोसी क विकास लेल हर संभव प्रयास केलक अछि। कुसहा त्रासदी क बाद युद्ध स्तर पर राहत आ पुनर्वास क कार्यक्रम चलाउल गेल। हम सब आगू सेहो प्रयासरत छी। हम कोसी लेल केंद्र सरकार स मदद मंगने छलहुं, जेकरा अस्वीकार करि देल गेल। एकर बाद हमार सरकार विश्व बैंक क मदद स इलाका लेल कईटा योजना बनेलक अछि। इ कई करोड़ टका क पैकेज अछि। एहि स इलाका मे लगभग 125 पुल-पुलिया बनाउल जाएत। किछु क टेंडर सेहो भ गेल अछि। गाम क सड़क पक्की कैल जा रहल अछि। बाढ़ क समय राहत लेल सब पंचायत मे ऊंच टीला बनाउल जा रहल अछि। तटबंध कए मजबूत कैल जा रहल अछि। अगिला किछु साल मे लगभग 400 करोड़ कोसी इलाका मे इंफ्रास्ट्रक्चर क निर्माण पर खर्च कैल जाएत।

सवाल- लंबा समय स कोसी क जीवन-रेखा डुमरी पुल क्षतिग्रस्त अछि, मुदा एखनधरि सरकार एकर मरम्मत नहि करा सकल। की अगर एहने समस्या अन्य हिस्‍सा मे होइते, त सरकार क रवैया एहने रहिते?

नरेंद्र ना यादव- सन्‌ 2014 तक ओहि ठाम तीनटा पुल तैयार भ जाएत। एकटा पुल बीहपुर आ नौगछिया क बीच होएत। डुमरी पुल क बगल मे बनि रहल आइरन ब्रीज कए सेहो एहन मजबूत बना देल जाएत जे लंबा समय तक ओहि पर हल्‍लुक गाडी सब गुजरि सकत। डुमरी पुल क मरम्मत लेल सेहो सरकार विशेषज्ञ स राय लेलक अछि। विशेषज्ञ क कहब अछि जे एकर डिजाइन मे हल्का परिवर्तन आनि कए ठीक कैल जा सकैत्‍ अछि। किछु ओहने जेना हावड़ा ब्रीज अछि। दू साल बाद अहां देखब जे डुमरी क सामांतर तीनटा पुल होएत।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

सवाल- एहन भ जाए त की कहब। मुदा एहन होएत? हम सब त कुसहा हादसा क समय सेहो बहुत किछु सुनने रही, मुदा की भेल? जिनकर घ ढहल, खेत बंजर भेल, परिजन मरल, हुनका की भेटल। हां, अधिकारी, नेता, दलाल क चांदी भ गेल। मुआवजा राशि मे लूट-पाट भेल। छातापुर मे एकटा बीडीओ सेहो धरा गेलाह। मुदा अंततः समय क संग सबटा शांत भ गेल।

नरेंद्र ना यादव- एहि सबटा सवाल क जवाब अछि। कार्रवाई भेल अछि। हम अहां कए एकर विस्तृत ब्‍योरा उपलब्ध करा देब।

सवाल- अहां गाम स अबैत छी। खेत-खेतिहर क तकलीफ बुझैत छी। अहां सब कोसी लेल किछु किया नहि करैत छी?

नरेंद्र ना यादव- ( चुप। सवाल क जवाब नहि फुरायल)

सवाल- एहन कोनो सेक्टर बताउ जाहि मे कोसी अंचल कए प्राथमिकता मे राखल गेल अछि।

नरेंद्र ना यादव- एहि सब सवाल पर गप करबा लेल हमरा सब कए कहियो आराम स बैसार करै पडत। एहि पर बहस हेबाक चाही।

सवाल- की इ उपेक्षा एहि इलाका संग एहि खातिर त नहि कैल जा रहल अछि किया कि एहि ठामक लोग साधारणतया अमन पसंद आ मासूम छथि ?

नरेंद्र ना यादव- (जवाब मे नहि फुरायल)

साभार- इ इंटरव्यू “द पब्लिक एजेंडा” क ताजा अंक मे प्रकाशित भ चुकल अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

'पालिटिकल तंदुर' मे 'ब्‍लड ब्रेड'

धधकैत प्रतिशोध आ शांत प्रशासन

Esamaad Epaper Website

गुजरात स अगुआ गेल बिहार

Comments 1

  1. dr dhanakar thakur says:
    13 years ago

    Yadi Koshi kshetra par lamba bahas k jarurat acchi t ho.
    Sahrasa va Purnea va Araria va supaul muda ho.
    SAHARSA me AIIMS k hamar maang aa Purnea me IIM k managke Patname kay del gel neta sab dwara- Koshi kshetrak neta sootal chhathi.
    Palayan bhay rahal achhi- Saharsa stationk hal raatime ja k dekhi aau..
    Kusha bhena 3.5 saal bhel , aab dosar kusaha kathu aabi jay se sambhav..
    keval vajpayee Koshi Mahsetu dekhait acchi (muda okro nam leb sab mochh pijaine).
    Mithilak kono kalpana bina Koshik poorn sahyogk ekangee chhaik.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि