• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

कोसी क कछैर मे जूट क मजार

September 13, 2012
in विचार, समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

रंजीत कुमार
बिहार क कोसी अंचल कए जूट क खेती लेल जानल जाइत अछि। उत्पादन क लिहाज स इ इलाका पश्चिम बंगाल आ असम क बाद देश क तेसर सबस पैघ जूट उत्पादन केंद्र रहल अछि। कोसी अंचल क पूर्णिया, कटिहार, मधेपुरा, सुपौल, अररिया आ किशनगंज क कई लाख किसान लेल जूट नकदी आमदनी क प्रमुख स्रोत रहल अछि। सच त इ अछि जे कोसी क किसान लेल जूट (जेकरा स्थानीय लोक पटुआ बा पाट कहैत छथि) महज एकटा फसल मात्र नहि अछि, बल्कि जिनगी आ संस्कृति क हिस्सा अछि। एहि ठाम पटुआ क दर्जन भरि कहावत आ अनगिनत किस्‍सा प्रचलित अछि। एकटा कहावत क उल्लेख प्रासंगिक होएत,”ज उपजतो पाट तें देखिअ ठाठ। यैह कारण अछि जे तमाम मुश्किल आ विपरीत हालात क बावजूद इलाका क कई लाख खेतिहर आइ सेहो जूट क खेती जारी रखने छथि।
मुदा विडंबना इ अछि जे पिछला किछु साल स स्थिति लगातार जूट खेती क प्रतिकूल होइत जा रहल अछि। अगर हालात एहने रहल त ओ दिन दूर नहि जखन जूट क खेती सेहो मड़ुआ, जौ, काउन, अल्हुआ, भदई धान (जेकर कोसी अंचल मे इ खूब उत्पादन होइत छल) क जेकां कोसी क किस्सा बनि जाएत। एकर कईटा कारण अछि। सबस पैघ कारण सरकार क जूट नीति अछि, जे धीरे-धीरे किसान क रीढ़ तोडि देलक । हाल मे केंद्रीय इस्पात मंत्री बेनी प्रसाद वर्मा कहला अछि जे हुनका महंगाई स खुशी होइत अछि, किया त एहि स किसान कए फसल क बेसी दाम भेट रहल अछि। ओना त वर्मा क इ बयान देखबैत अछि जे हमर मंत्री जमीनी हकीकत स पूर्णत: नावाकिफ छथि। मुदा जूट क मूल्‍य क हालिया इतिहास क मद्देनजर देखि त वर्मा क बयान कोनो जहर-सिक्त तीर क जेका चूभैत अछि। 1984 मे देश मे जूट क मूल्य 1400 टका क्विंटल छल। आइ 2012 मे यानी 28 साल बाद इ घटकए 1200 टका प्रति क्विंटल पर आबि गेल अछि। पिछला 28 साल मे टका मे भेल अवमूल्यन पर अगर ध्‍यान नहि दी तखनो कोनो व्यक्ति जूट उत्पादक किसान क दर्द क अंदाजा लगा सकैत अछि आ जूट क मूर्छित खेती क मर्ज आसानी स बुझल जा सकैत अछि।
दर्द क हद स गुजरब त एखन बाकी अछि किया त समर्थन मूल्य नामक मिसाइल क मार तक इ सीमित नहि अछि। सच त इ अछि जे पिछला चारि दशक मे जूट उत्पादक कए तरह-तरह क हथियार स पीटल गेल अछि। सबस घातक वार छल, बेलगाम प्लास्टिक नीति। गौरतलब अछि जे जूट क किसान सब कए बचेबा लेल एक जमाना मे सरकार लग संरक्षण नीति छल। तखन चीनी, चावल, सीमेंट समेत तमाम कारखाना लेल कम-स-कम तीस प्रतिशत जूट क बोरी क इस्तेमाल अनिवार्य छल। मुदा उदारीकरण क आंधी मे इ नीति तिनका जेका उधिया गेल आ ककरो किसानक चीख तक नहि सुनाई देलक। प्लास्टिक क बोरी सस्‍त छल (एखनो अछि), एहि लेल उत्पादक जूट बोरी क इस्तेमाल बंद क देलक। जाहि स देसी बाजार मे जूट क मांग कम होइत गेल। तकनीक क बल पर वस्त्र उद्योग एतबा आगू चल गेल जे जूट स बनल मोट कपडा गरीब त पहिरब छोडि देलक। दरिद्रता क प्रतीक भ चुकल जूट स बनल पहनाबा सदा क लेल समाप्त भ गेल। इ गप आओर अछि जे आब इ प्लास्टिक धरती पर सेहो भारी असर द रहल अछि। कहबाक जरूरत नहि जे प्लास्टिक क अत्‍यधिक इस्तेमाल पर्यावरण आओर पारिस्थितिकी कए गंभीर रूप स बिगाडि देलक अछि, जेकरा मात्र पर्यावरण-प्रिय जूट ठीक क सकैत अछि। जूट क खेती कए तेसर मारि जूट रिसर्च इंस्टिट्‌यूट स पडल, जे जानलेवा साबित भेल। इ संस्था पुरान नस्ल कए खत्म क देलक आ उन्नत नस्ल क नाम पर जे बीज तैयार केलक ओहि स पैदावार बढबाक बदला मे घटैत चल गेल।
जलवायु परिवर्तन सेहो जूट क खेती पर कहर बरपा रहल अछि। गौरतलब अछि जे जूट मौसम क प्रति अत्याधिक संवेदनशील पौधा अछि। मौसम क कनि प्रतिकूलता एकरा चौपट क दैत अछि। मुदा हाल क किछु साल स मौसम चक्र लगातार असंतुलित भ रहल अछि, जाहि स परिणामस्वरूप जूट क पैदावार मारल जा रहल अछि। जलाशय क कमी सेहो जूट क खेती कए प्रभावित क रहल अछि। जूट स रेशा निकालबा लेल एकरा स्थिर पाइन मे सडेबाक प्रयोजन होइत अछि, मुदा स्थिर पाइन क परंपरागत स्रोत मसलन झील, ताल,चौर, पोखर आदि तेजी स भरल जा रहल अछि।
संक्षेप मे कही त आइ जूट क खेती केवल किसान क जिद आ देसी उपयोगिता क बल पर जीवित अछि। ओ युग बीत गेल जखन किसान एकरा “हरा नोट” कहैत छल। ओहि दौर मे जूट कोसी अंचल क किसान लेल दुर्गापूजा, दीपावली, मुहर्रम क सौगात ल कए अबैत छल। सितंबर मे एकर रेशा तैयार होइत छल। सब किसान कए पाबनि लेल नीक नकदी भेट जाइत छल। आब त लोक जूट क डंठल (सोंठी) आ रस्सी लेल जूट उपजा रहल छथि। कोसीक लोक आइ सेहो जूट क डंठल स घर क टाट बना रहल छथि। सोंठी एहि ठाम क लोक लेल जलावन क महत्वपूर्ण स्रोत सेहो अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

केंद्र क उपेक्षा-2 : सिंगल लेन क एनएच सबस बेसी बिहार मे

Esamaad Epaper Website

अलीनगर मे साकार भ रहल अछि विकासक सपना

Esamaad Epaper Website

केंद्र क उपेक्षा-3 : जल प्रबंधन मे बिहार क हाथ बांधि रखने अछि केंद्र

Comments 1

  1. Rajesh Kumar Jha says:
    13 years ago

    Bahut nik..Gaam ghar me patua ke bahut mahatwa chai. Ek kahawat to chai ki patuwa ke paisa batuwa me.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि