• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

आब कोसी मैया पर अछि पटरी बचेबाक जिम्‍मा

July 17, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

रंजीत कुमार
रांची।
डुमरी पुल कए जर्जर भेलाक बाद बाद स सहरसा, खगड़िया, सुपौल, मधेपुरा, पूर्णिया, अररिया आदि जिला क करीब 30-35 लाख लोक कए बाहर ल जेबा लेल एकटा मात्र रास्ता सहरसा-मानसी रेल-लाइन अछि। इ एकटा लूप लाइन अछि, जेकर उपेक्षा क अपन अलग कथा अछि। एक बेर फेर एहि लाइन पर कोसी मैया क कोप टूटल अछि। एखन धरि कुल छहटा गाडी कए रद्द कैल जा चुकल अछि आ अगर मैया नहि मानलथि त एक-दू दिन मे पटरी पर गाड़ी नहि नदी क धारा चलत।
भेट रहल जानकारी क अनुसार, कोपरिया आ धमारा टिसन क बीच फनगो हॉल्ट लग नदी क धार बाट भटकि गेल अछि। ओ अपन निर्धारित बाट पर बहबा स कतरा रहल अछि। विशेषज्ञ क कहब अछि जे बालू क कारण स निर्धारित चैनल मे शायद कोनो पैघ डेल्टा बनि गेल अछि, जे धार कए पार्श्व दिस जेबा लेल मजबूर क रहल अछि। मुदा पार्श्व मे रेलवे लाइन अवरोधक बनल अछि। एहि लेल नदी एकरा जोर-जोर स खुरुचि रहल अछि। स्थिति इ भ गेल अछि जे करीब 50 मीटर क लंबाई मे नदी आ पटरी क बीच मीटर-दू मीटर क दूरी बचल अछि। रेलवे क इंजीनियर बोल्डर आ क्रेटर क माध्‍यम स एकरा रोकबाक प्रयास क रहल अछि। एकरा लेल भारी संख्या मे मजदूर लगाउल गेल अछि। बावजूद एकर इंजीनियर साहेब सब इ कहबा मे असक्षम छथि जे ओ पटरी कए बचा पाउताह बा नहि।
प्राप्त जानकारी क अनुसार, छहटा सवारी गाडी क परिचालन रद्द कैल जा चुकल अछि। एहि मे सहरसा-मधेपुरा (55555/56), सहरसा-मानसी (55569/70) आ सहरसा-समस्तीपुर सवारी गाडी शामिल अछि। जनसेवा एक्सप्रेस, हाटे बजारे एक्सप्रेस, कोसी एक्सप्रेस आ राज्यरानी एक्सप्रेस क परिचालन जेना तेना भ रहल अछि, मुदा इ सब सेहो कई घंटा विलंब स चलि रहल अछि। आब जखनकि रेलवे आ राज्य सरकार क विशेषज्ञ इंजीनियर आगामी स्थिति पर अनिश्चित छथि, त हम अपन कोसी विशेषज्ञ सब स बुझबाक कोशिश कैल जे आगू की भ सकैत अछि। लगभग सब गोटे कहला जे अगर चारि-पांच दिन तक वर्षा नहि भेल आ जलस्तर मे तेजी स बढ़ोतरी या घटोतरी नहि भेल त संभव अछि जे पटरी बचि जाए। जल अगर तेजी स कम या बेसी भेल, त बोल्डर आ क्रेटर क पहाड़ तक रेल लाइन कए नहि बचा सकत। जल क लेवल खसत त नदी कए मुख्य धार मे बनल डेल्टा कए पार करबा मे भारी दिक्कत होएत, मुदा ओकर बहाव-शक्ति मे बढोतरी होएत। परिणामस्वरूप पटरी दिस बहबा क प्रयास क रहल धार आओर जोर स कटाव करबा मे लागि जाएत। अगर लंबा समय तक स्तर बरकरार रहल, त संभव अछि जे नदी डेल्टा कए तोडि कए मुख्य धार मे बहबा लेल तैयार भ जाए आ पटरी बचि जाए। समस्तीपुर मंडल कार्यालय क अनुसार, कटाव रोकबा लेल 109 बैगन बोल्डर उझलल जा चुकल अछि। 500 मजदूर दिन-राति कटाव निरोधक काज मे लागल अछि। अभियंता क 15टा टोली लगातार स्थिति क मुआयना क रहल अछि।
बुझल हुए जे किछु साल पहिने सहरसा-मानसी क बीच पटरी क अपग्रेडेशन भेल छल। पुरान छोटी लाइन स अलग हटि कए बड़ी लाइन लेल पुल बनाउल गेल छल। तखने किछु गैर-सरकारी नदी विशेषज्ञ पटरी आ नदी क अलाइनमेंट पर सवाल ढार केने छलाह। मुदा हुनकर गप के सुनत। यैह कारण अछि जे सब साल बरसात क मौसम मे मानसी स ल ए सिमरी बख्तियारपुर तक भारी जल-जमाव होइत अछि। कोसी आ बागमती क विभिन्न धारा पटरी आ पुल क एहि “रामसेतु’ क बीच अटक जाइत अछि। मुदा एहन परिस्थिति पिछला किछु साल मे नहि बनल छल। जखन स कुसहा कटाव भेल अछि, तखन स कोसी क प्रकृति मे विचित्र बदलाव देखबा लेल भेट रहल अछि। कोसी महासेतु क कारण सेहो एकर प्रवाह डिस्टर्ब भेल अछि, किया जे एहि पुल क कारण लिंक बांध बनाउल गेल अछि। कोसी महासेतु क बाद सेहो दूटा आओर पुल कोसी पर बनल अछि। एहि लेल इ कहब आब असंभव भ गेल अछि जे कोसी क मौजूदा प्रकृति की अछि आओर ओकर मुख्य धार कतए अछि। एहन परिस्थिति मे आम लोक क अलावा विशेषज्ञ सेहो किछु बजबा क स्थिति मे नहि छथि। शब्द भले भिन्न हुए मुदा ओ सेहो घोर अंधविश्वासी क भांति कहैत छथि- “सब किछु कोसी पर अछि। हम किछु नहि क सकैत छी।’ कोनो संदेह नहि जे कोसी आ अभियंता क इ द्वंद्व आगू नव-नव गुल खिला सकैत अछि। पटरी टूटए बा तटबंध, अभियंता मालामाल हेताह। कहर त हरदम आम लोक पर खसैत अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार मे बेअसर भेल मंदी, विकास दर 16.71 पहुंचल

Esamaad Epaper Website

सेन हेताह नालंदा अंतर्राष्ट्रीय विश्वविद्यालय क प्रथम कुलाधिपति

Esamaad Epaper Website

सुधीर सन अधिकारी लेल अधीर होइत बिहार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि