पटना । साल 2014-2015 कए विद्यापति पुरस्कार एहि बेर हिंदी आ मैथिली क वरिष्ट साहित्यकार गंगेश गुंजन कए देल जाएत । बिहार सरकार क राजभाषा विभाग हरेक साल मैथिली क महान कवि विद्यापति क स्मृति मे इ पुरस्कार दैत अछि ।
राजभाषा विभाग क निदेशक सह अपर सचिव रामबिलास पासवान क अनुसार, डा. गुंजन कए इ पुरस्कार बिहार सरकार क राजभाषा विभाग दिस से हिंदी सेवी सम्मान आओर पुरस्कार योजना क तहत देल जाएत । पुरस्कार स्वरूप हुनका पचास हजार टका, प्रशस्ति पत्र आ स्मृति चिन्ह देल जाएत । इसमाद परिवार सेहो गुंजन जी क एहि उपलब्धि पर हुनका बधाई दैत अछि ।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
shriman gunjan jee ke bahut bahut badhaaee ,bhagavati hunaka dirghayu rakheith .