पटना । बसंत पंचमी कए पटना क ऐतिहासिक गाँधी मैदान मे महात्मा गाँधी क सबस ऊँच प्रतिमा क अनावरण कैल गेल । लगभग 70 फीट ऊँच (कान्स क मूर्ति समेत) एहि प्रतिमा मे बापू क दूनू दिस दूटा बचचा स्नेह क संग हुनका स लिपटल ढार अछि। बापू क इ प्रतिमा कए प्रसिद्ध मूर्तिकार पद्मश्री रामसुतार बनेलथि अछि । ज्ञात हुए जे दुनिया मे सबस बेसी प्रतिमा महात्मा गांधी क लागल अछि । गांधी क प्रतिमा क संग बिहार क संबंध सबस पुरान अछि। 1940 मे दरभंगा क महाराजा कामेश्वर सिंह महात्मा गांधी क पहिल प्रतिमा तैयार करबेने छलाह । ओ भारतक सबस उच्च व्यक्तित्व क प्रमिता दिल्ली क वायसराय निवास (राष्ट्रपति भवन) मे महारानी क पति कए उपहार स्वरूप देने छलाह । एकर बाद देश विदेश सब ठाम गांधी क अनेक रूप आ रंग क प्रतिमा स्थापित होइत रहल अछि, मुदा पटना क गांधी मैदान में गांधी क विशालतम प्रतिमा लगा बिहार अपन गांधी प्रेम कए एक बेर फेर देखार क देलक। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार प्रतिमा क अनावरण करैत कहला जे दुनिया कए शांति क पाठ पढेनिहार देश क एहि महानतम नेता क प्रतिमा क निर्माण विशेष रूप स अगिला पीढी क लेल कराउल गेल अछि ताकि ओ गांधीजी क जीवन स प्रेरणा लैत रहे ।
बिहार क भवन निर्माण विभाग एहि प्रतिमा क निर्माण करेलक अछि। एहि स पहिने गांधी क सबस ऊंच 16 फुट क प्रतिमा दिल्ली मे संसद भवन परिसर मे लागल छल।
गांधी मैदान मे लागल प्रतिमा क चारू कात पट्टिका सब लागल अछि ।जाहि पर गांधी क नेतृत्व मे लड़ल गेल आजादी क लडा़ई क विवरण अछि।
एहि प्रतिमा क निर्माण रामसुतार फाइन आटर्स प्राइवेट लिमिटेड केलक अछि जे मूर्तिकार रामसुतार क कंपनी अछि। रामसुतार क पुत्र अनिल रामसुतार कहला जे सात करोड़ क लागत स एहि 40 फुट ऊँच प्रतिमा क निर्माण कैल गेल अछि । प्रतिमा कए 30 फुट ऊँच पेडस्टल क निर्माण मे लगभग 3 करोड़ क लागत आयल अछि।
अनिल रामसुतार कहला जे हुनक पिता क बनाउल गांधी क प्रतिमा एखन धरि कुल 120टा देश मे लागल अछि । ओ कहला जे इ मात्र विशालतम नहि अछि, बल्कि एकर स्वरूप सेहो ”बापू” क अछि। एकर निर्माण मे एक वर्ष स बेसी समय लागल अछि। ओ कहला जे गरीब क उत्थान कए संदेश दैत महात्मा गांधी क प्रसन्नचित भाव क प्रतिमा अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर