नई दिल्ली। कहियो गरीबी क पर्याय रहल बिहार 2011-12 मे 13.1 प्रतिशत विकास दर क संग लगातार दोसर साल सबस तेज विकास दर हासिल करि विश्व कए चौका देलक अछि। सांख्यिकी मंत्रायल दिस स जारी ताजा आंकडा क अनुसार बिहार क अर्थव्यस्था आब पंजाब स पैघ भ गेल अछि। किछु साल पहिने तक पंजाब बिहारी मजदूर लेल रोजगार क सबस पसंदीदा राज्य छल। विकास दर क मामला मे पहिल पांचटा राज्य मे बिहार क बाद दिल्ली दोसर आ पुडुचेरी तेसर स्थान पर अछि। आंकडा क अनुसार उग्र नक्सल आंदोलन क गढ़ रहल झारखंड चारिम आओर गोवा पांचम स्थान पर स्थान बनेबा मे कामयाब रहल अछि। शुक्रदिन जारी आंकडा क अनुसार घरेलू आ विदेशी निवेशक क पसंदीदा जगह, गुजरात एहि साल पहिल पांच राज्य मे जगह नहि बना सकल। गुजरात पिछला वित्तीय वर्ष मे 9.1 प्रतिशत क विकास दर अर्जित केने छल। हालांकि तमिननाडु 9.4 प्रतिशत विकास दर क संग गुजरात स आगू अछि। गहूंमक कटोरा रहल पंजाब, आईटी केंद्र आंध्रप्रदेश आओर कर्नाटक आ देश क सबस पैघ राज्य उत्तरप्रदेश क विकास दर भारत क सकल घरेलू उत्पाद (जीडीपी) 2011-12 मे 6.5 प्रतिशत रहल।
महाराष्ट्र क बाद तमिलनाडु दोसर सबस पैघ राज्य अर्थव्यवस्था क तौर पर उत्तरप्रदेश कए पछाडि देलक अछि। साल 2011-12 मे उत्तरप्रदेश क अर्थव्यवस्था अनुमानत: 4.19 लाख करोड़ टका छल, जखनकि महाराष्ट्र संभवतया पहिल स्थान बरकरार रखबा मे सफल रहल किया कि महाराष्ट्र क डाटा उपलब्ध नहि भ सकल अछि। साल 2010-11 मे महाराष्ट्र क अर्थव्यवस्था सात लाख करोड़ टका स बेसी क छल।
जानकारक कहब अछि जे बिहार मे विकास गति क निरंतरता क पाछु राज्य सरकार द्वारा पैघ पैमाना पर सड़क आ अन्य निर्माण शुरू करब मुख्य कारण रहल अछि। एहि स राज्यक स्थिति मे भारी बदलाव आयल अछि। संगहि राज्य मे कानून व्यवस्था क स्थिति सुधरबा स लोक तेजी स वाहन खरीद रहल छथि। कईटा फसल क उत्पादकता सेहो बढल अछि। बिहार क इ गति उत्साह जगबैत अछि, मुदा विकास क मामला मे बिहार एतबा पछुआ गेल अछि जे अन्य विकसित राज्य संग ढार हेबा लेल बिहार कए इ गति एखन कई साल और बरकरार रखबाक आवश्यकता अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper
GDP growth rate would further increase for both Bihar and Mithila if we divide Bihar in two states. This will make India stronger.
ई तखने बुझब जखन पंजाब जाई बला( व दिल्ली जैबला) गाडी में सामान्य डिब्बा में बैसी के जा सकब.
ओना समाद क दोसर समाचार अछि जे बिहारी(मजदूर) आब तमिल स बेशी विदेश खाड़ी आदि जा रहल छथि
सीमेंट अधिक बिकायल मुदा बिहार क कोन क्षेत्र में ? पटना में आ आसपास .मिथिला अमे नहीं
राज्य मे कानून व्यवस्था क स्थिति सुधरबा स लोक तेजी स वाहन खरीद रहल छथि वा अपराधीकरण मुखिया स्तर क नेता – ठेकेदार जे आब राजनीतिक कार्यकर्ता भेल छथि ओ खरीदालाह वा घूसखोर अफसर
मुदा विकास क मामला मे बिहार एतबा पछुआ गेल अछि जे अन्य विकसित राज्य संग ठाढ़ हेबा लेल बिहार कए इ गति एखन कई साल और बरकरार रखबाक आवश्यकता अछि से ठीक – ताबत बिहार में मिथिलाक कोशी क्षेत्र खास कयक सोमालिया ने बनी जाय?