मुजफ्फरपुर : मिथिला एक बेर फेर चमड़ा उत्पादनक फेर केंद्र बनत। बेतिया आ पंडौल में पुरान लेदर क्लस्टर कए खंडहर क बीच सरकार मुजफ्फरपुर मे नव लेदर क्लस्टर तैयार करबाक योजना बनेलक अछि। सब किछु योजना क अनुसार भेल त बहुत जल्द मिथिला फेर अंतरराष्ट्रीय नक्शा पर चमकत। एसपीवी मुजफ्फरपुर मे नव लेदर क्लस्टर लेल तैयारी क रहल अछि। एकरा लेल दस्तावेजी काज तेज क देल गेल अछि। टाटा गु्रप आ कानपुर क लेदर कंपनी कए सेहो एसपीवी मे शामिल करबा लेल प्रस्ताव देल गेल अछि। बिहार फिनिश्ड लेदर वर्क्स मे 50 करोड़ टकाक लागत स कॉमन फैसिलिटी सेंटर क स्थापना होएत।
तीन दशक पूर्व राज्य सरकार क प्रतिष्ठित टेनरी बिहार फिनिश्ड लेदर रहल अछि। एहि ठाम नीदरलैंड स मशीने आनल गेल छल। मुदा 20 साल पूर्व एकरा ठेका पर द देल गेल छल आ ओतहि स एकर बबार्दी शुरू भेल छल। इसमाद किछु दिन पहिने मिथिलाक चमड़ा उद्योग क स्थिति पर चिंता जाहिर केने छल। इसमाद इ जानकारी देने छल जे मिथिलाक सबटा लेदर क्लस्टर खंडहर भ चुकल अछि। बेतिया आ पंडौल जेकां टेनरी बिहार फिनिश्ड लेदर क सेहो कई करोड़ क मशीन चोरी भ चुकल अछि। कारखाना खंडहर भ चुकल अछि आ खिड़की का केबार तक गायब भ चुकल अछि। 25 एकड़ जमीन पर बेला औद्योगिक क्षेत्र मे कार्यरत मुजफ्फरपुर क टेनरी बिहार फिनिश्ड लेदर खंडहर भ चुकल अछि। बहरहाल आब इ उम्मीद जगल अछि जे एहि ठाम कॉमन फैसिलिटी सेंटर क स्थापना होएत। यानी पूर्व क भांति लेदर फिनिश्ड क काज होएत।
सवाल अछि जे आखिर खंडहर मे नव निर्माण कोना होएत। एहि संबंध मे एहि पर अल्फा लेदर, मुजफ्फरपुर क प्रोपराइटर डॉ. परवेज अख्तर क कहब अछि जे लेदर क्लस्टर लेल सबस पहिने स्पेशल परपज व्हीकल (एसपीवी) क गठन होएत। एकर बाद बेला औद्योगिक क्षेत्र मे कार्यरत चमड़ा क इकाइयां अल्फा लेदर, ग्रीन लेदर, सबा टेनरी, हारून टेनरी आ नार्थ बिहार क संग कानपुर क टीरूबाला एक्सपोर्ट कंपनी आ टाटा गु्रप क लेदर कंपनी कए मिला कए विशिष्ट क्रियान्वयन समिति (एसपीवी) क प्रस्ताव अछि। अख्तर क कहब अछि जे हम सब जल्दी स जल्दी विशिष्ट क्रियान्वयन समिति (एसपीवी) बनेबाक प्रयास करब, ताकि एकटा पैघ प्रोजेक्ट एहि क्षेत्र मे शुरू भ सकत। रोजगार क अवसर पैदा होएत।
सवाल इ सेहो अछि जे एकरा लेल राशि क व्यवस्था कोना होएत, एहि पर बियाडा क प्रबंध निदेशक दीपक कुमार सिंह क कहब अछि जे 50 करोड़ टका मे 60 फीसद केंद्र सरकार आ 30 फीसद राज्य सरकार अंश देत, जखनकि 10 फीसद राशि लेदर क्लस्टर स जुड़ल कंपनी देत। ओ कहला जे इ एकटा अति महत्वाकांक्षी योजना अछि। एहि स बिहार क आर्थिक विकास जुड़ल अछि। ताहि लेल एकरा शुरू करबा लेल पैघ कंपनी कए प्रस्ताव देल गेल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa