• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

जमीन क नक्शा आ खतियान क संयुक्त डाटा ऑनलाइन करि इतिहास रचलक बिहार

May 27, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। बिहार जमीन क नक्शा आ खतियान क संयुक्त डाटा ऑनलाइन करनिहार देश क पहिल राज्य होएत। बिहार मे जमीन क खतियान रिकार्ड जून तक ऑनलाइन भ जाएत। रिकार्ड आनलाइन भेलाक बाद जोक वसुधा केंद्र स सेहो एलपीसी प्राप्त क आवश्यकतानुसार बैंक लोन या अन्य कार्य लेल एकर उपयोग क सकत। राजस्व आ भूमि सुधार मंत्री रमई राम इ जानकारी दैत कहला अछि जे आधुनिक तकनीक स सर्वेक्षण क जमीन क रिकार्ड तैयार कैल गेल अछि। फिलहाल राज्य क तीनटा जिला मधुबनी, नालंदा आओर बक्सर क खतियान ऑन लाइन क देल गेल अछि। विभाग क वेबसाइट पर एकरा देखल जा सकैत अछि। बाकी जिला लेल एकरा लेल कैबिनेट कए प्रस्ताव पठाउल जाएत। रमई राम कहला जे जमीन मनुष्य स जुडल एकटा बहुत संवेदनशील आ महत्वपूर्ण मुद्दा अछि। एकर उपयोगिता मनुष्य क जीवन क संगहि ओकर मृत्यु क बाद सेहो कायम रहैत अछि। अदालत मे करीब 50 फीसदी मामला जमीन विवाद स संबंधित अछि। ताहि लेल राज्य सरकार जमीन क कंप्यूटराइज रिकार्ड बना कए ओकरा ऑन लाइन करबाक निर्णय लेलक अछि, ताकि कियो अपन जमीन क संबंध मे कतहु स जानकारी प्राप्त क सकए आओर कम्प्युटाइज दस्तावेज स मामला क निपटारा सेहो भ जाएत। श्री राम कहला जे भूमि क सर्वेक्षण करायब सरकार क संवैधानिक दायित्व अछि। परंपरागत तरीका स सर्वेक्षण करेबा मे काफी कठिनाइ होइत छल। ताहि लेल आधुनिक तकनीक स भूमि क हवाई सर्वेक्षण कराउल जाएत। ओ कहला जे नालंदा, सारण, भागलपुर, मुंगेर आ शेखपुरा आदि जिला मे हवाई सर्वेक्षण आओर फोटोग्राफी क काज पूरा भ गेल अछि। आगू क कार्रवाई लेल रक्षा मंत्रालय स अनुमति मांगल गेल अछि।मंत्रालय स अनुमति भेटलाक बाद बिहार सर्वेक्षण कार्यालय, गुलजारबाग परिसर मे डाटा प्रोसेसिंग क कार्रवाई शुरू करि देल जाएत। एकर बाद बंदोबस्त कार्यालय खानापुरी, प्रकाशन, आपत्ति क निष्पादन आ आमंत्रण क काम कैल जाएत। अंत मे नक्शे क अंतिम प्रकाशन करैत अद्यतन खतियान तैयार क मानचित्र तैयार कैल जाएत। जेकरा आयोग क वेबसाइट पर सेहो राखल जाएत। अंचलवार अद्यतन मानचित्र आओर खतियान अंचलस्तरीय डाटा केंद्र सह आधुनिक अभिलेखागार मे संधारित कैल जाएत। एकरा लेल अंचल मे भवन निर्माण क कार्य राज्य योजना मद स शत-प्रतिशत कैल जा रहल अछि। एकरा लेल कुल 30.65 लाख टका स अंचल तकनीकी क प्राक्कलन भवन निर्माण विभाग द्वारा तैयार कैल गेल अछि। ओ कहला जे भूमि सर्वेक्षण कार्य पर कुल 570 करोड़ टकाक लागत आउत। एहि मे 50 फीसदी राशि केंद्र आ 50 फीसदी राज्य सरकार कए देबाक अछि। भूमि सर्वेक्षण क कार्य तीन साल मे पूरा करबाक योजना अछि, मुदा कार्य क महत्ता कए देखैत एहि मे समय-सीमा क कोनो बाधा नहि होएत। विभाग क प्रधान सचिव सी अशोकबर्धन भूमि सर्वेक्षण क नवका प्राविधि क पूरा प्रक्रिया आओर एकर उपयोगिता कए स्पष्ट करैत कहला जे मधुबनी, नालंदा, बक्सर जिला क संगहि वैशाली आ भोजपुर क खतियान विभाग क वेबसाइट पर अछि ताकि लोक अपन आपत्ति दर्ज करा दथि। ओ कहला जे नालंदा, शेखपुरा, भागलपुर, छपरा आ मुंगेर जिला मे राजस्व मानचित्र क कार्य कए पूरा करि लेल गेल अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

एकटा अभिनव प्रयोग रहल सुर समाद

शुरुआती झटका स पछुआ गेल मैथिली फिल्म : कमलनाथ

Esamaad Epaper Website

बिहार मे गुटखा पर प्रतिबंध

Comments 2

  1. bhola nath says:
    10 years ago

    बहुत बढ़िया खबर अछि

    Reply
  2. sudhir kumar gautam says:
    9 years ago

    सुनू सुनू सुनू हैडिग के स्थिर करू तहन निक लागत

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि